12 कोनो लोक ओइ जगमे सोना, चानी, बहुमुल्य पथल, काठ, खर या लार-पुवारसे घर बनाबैले सकैछै,
कथिलेत आब एहेन समय आइबरहल छै कि लोकसब सहि सिक्छाके बात सुनैले बरदास नै करतै। बरु आपने इक्छाके पछा भाग्तै। उसब आपन इक्छासे ओहै गुरुसबके ढेरियाइतै जे ओइसबके सुनैले मज्जा लागैबला बातसब सुनाइतै।
एहेन जनिसब सिखैले त हरदम सिखैत रहैछै, महज सतके ग्यान तलिक कहियो नै पुगे सकैछै।
केहनो धनिक लोकके घरमे सोना-चानीके भरिया-बरतन मातरे नै रहैछै, ओते काठ आ माटीके भरिया-बरतन सेहो रहैछै। कोनो बिसेस कामके लेल चलाबैछै त कोनो सधारन कामके लेल चलाबैछै।
उ दबाल चमकदार पथलसे बनल छेलै आ सहर निखुर सोनासे बनल छेलै आ सफा सिसा जखा चम्कैछेलै।
अहैलेल हम तोरा यि सल्लाह दैचियौ कि, धनिक हैकेलेल आइगसे खारल निखुर सोना हमरसे किन। आपन नाङट आङके लाज झापैके लेल उजर बस्तर हमरसे किनके लगा आ आँखसे देखे सकैबला हैकेलेल हमरे मलहम किनके लगा।
नास हैबला सोनाके आइगमे खाइरके सुध करल जखा तोरासबके बिस्बास ओहौसे मुल्यबान छौ। अहै खातिर तोरासबके बिस्बास सच ठहरे आ येसु खिरिस्ट परगट हैबला दिनमे परसन्सा, महिमा आ आदरके योग्य बने।
महज तोरासबके बिरोधमे हमरसङे कुछ बातसब छै, कथिलेकी तोरासबमेसे कोइ कोइ एहेनछै, जे बालामके सिक्छा मानैछै। मुरुतिके चरहाल चिज आ बेबिचार कैरके इजराएली लोकसबके पापमे फसाइके लेल बालाम बालक रजाके सिखाइने छेलै।
अनेक किसिमके अचमके सिक्छाके भरममे नै पर। खाइ पियैबला नियमसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे हिरदय बौकार भेल असल चियै। ओहेन बिधी पालन कैरके ककरो उपकार नै भेलछै।
महज दुस्ट आ ढोङी लोकसब दोसरके धोखा दैछै आ उ आपनो धोखा खाइत बिगरैते जाइछै।
यदी कोइ झुठ सिदान्त सिखाबैछै आ आपन परभु येसु खिरिस्टके देल साँचो सिक्छा आ परमेस्वरके भक्ति हैबला सिक्छामे सहमत नै हेतै त,
होसियार रह, कोइ नै तोरासबके दरसन सास्तर या लोकसबके छल कपटसे बातमे फसाबे। एहेन बातसब खिरिस्टसे नै महज लोकसबके परम्परा आ सन्सारके सिक्छासे एलछै।
हमसब आपन फैदाके लेल परमेस्वरके बचन परचार करैबला बेपारी नै चियै। महज हमसब इमान्दार भ्याके खिरिस्टके सेबकके रुपमे परमेस्वर हमरासबके देखैछै से बात जाइनके ओकर बचन परचार करैचियै।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, तोरासबके सिख्याल सिक्छाके बिपरित सिखाइबला लोकसबसे होसियार रह। यि तोरासबके फुट करेतौ आ बिस्बाससे बहकेतौ। ओहन लोकसबसे दुरे रह।
अहैसबके बिचसे झुठ बात सिखाइबला लोकसब निकल्तौ, जे बिस्बासीसबके बहक्याके आपन दिसन तान्तौ।
हमसब सब किसिमके घोसैरके करैबला सरमके कामसब त्यागनेचियै। हमसब धुर्त काम नै करैचियै नै त परमेस्वरके बचनके गलत हिसाबसे परयोग करैचियै। महज परमेस्वरके सामने हमसब खिरिस्टके बारेमे सत बात मातरे बोलैचियै, ताकि कोनो लोकसबके मनमे हमसब छल करैचियै कैहके दोस लगाइले नै पाबे।
कथिलेत परमेस्वर जे जग बनाइनेछै उ जग येसु खिरिस्ट चियै, उ जग बाहेक कोइ नै दोसर जग बनाइले सक्तै।
महज नियाइके दिनमे परमेस्वर सबकोइके काम परकट करतै आ उसबके करल काम केहेन छै कैहके आइगसे जाँचल जेतै।