4 हमर सिक्छा आ परचार घत लागैबला बुइधके बरका-बरका बातसब नै बाजलियै, महज पबितर आत्माके सक्तीके सबुत द्याके हम परचार करलियै,
कथिलेत परमेस्वरके राज बातमे नै, महज सक्तीमे छै।
कथिलेकी जे सुसमाचार हमसब सुनेलियै उ सब्द मातरे नै महज सक्तीके साथ, पबितर आत्माके साथ आ पुरे निस्चयताके साथ एलै। जखन हमसब तोरासबके सङे रहलियै त केहेन चालचलनके जिबन जिलियै से तोरासबके थाहे छौ।
कथिलेत बप्तिस्मा दैले नै महज सुसमाचार परचार करैके लेल खिरिस्ट हमरा पठेल्कै। हम परचार करैतखिना सन्सारके चलाक ग्यानसे नै करलियै, नै त खिरिस्टके कुरूसके सक्ति बेरथ हेतियै।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके लग परमेस्वरके बारेमे गबाही दैले आबैतखिना बरका-बरका बातसब आ बुइधके धाख नै देखेलियौ।
उसब परमेस्वरके आत्माके सक्ती, अचमके चेन्हासब आ कामसब दुवारा बिबस करलगेल छेलै। अहिनङे हम यरुसलेमसे इल्लुरिकन परदेसतक पुरे खिरिस्टके सुसमाचारके परचार करने चियै।
जब अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके सक्ती आ आगमनके बारेमे तोरासबके कहलियौ, से हमसब चलाकिसे तोरासबके कोनो बनोतरी बात-कथामे नै कहलियौ महज ओकर बरका महिमा हमसब आपने आँखसे देखने छेलियै।
जे बात हमसब परचार करैचियै, उ बातसब कोनो लोकके बुइधसे सिखेल्हा बातसब नै, महज पबितर आत्मासे सिख्याल बात बोलैचियै आ पबितर आत्मा पाबलहा लोकसबके आत्मिक सतके बातसबके अरथ खोइलदैचियै।
अहै खातिर तोरासबके कहैचियौ बिस्बास लागैबला जखा झुठ बातसे कोइ नै धोखा देबे।
उसब घमन्डी आ मुरुख बात करैछै आ देहके लालसा देखाके भरखर खराब रस्तासे बाहर एलहा लया बिस्बासीसबके फसाबैछै।
तै बखत अगमबक्तासबके करलहा यि सेबा ओइसबके फाइदाके खातिर नै महज तोरेसबके खातिर चियौ कैहके परमेस्वर ओइ अगमबक्तासबके देखाइने छेलै। यि बात स्वरगसे पठेल्हा पबितर आत्माके सक्तीसे सुसमाचार सुनाबैबला दुवारा अखैन तोरासबके घोसना करनेछौ। यि बात स्वरगदुतोसब जानैले चाहैछै।
कि हम लोकसबके खुसी करैले चाहैचियै या परमेस्वरके? कि हम लोकसबके खुसी करैले चाहैचियै? यदि हम लोकसबके खुसी करने रहतियै त हम खिरिस्टके सेबक नै हेतियै।
कथिलेत एहेन लोकसब अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नै महज आपन पेटके लेल सेबा करैछै। उसब निक-निक बात बन्याके सिधासाधा लोकसबके ठगैछै।
कथिलेत हम परमेस्वरके सरा योजना सुनाबैले पछामाथे नै ताकलियौ।
अगरिपास पावलके कहल्कै, “कि अहाँ हमरा थोरबेहेक समयमे खिरिस्टियन बनाबैले चाहैचियै?”
तुसब आसा दैबला परमेस्वरमे बिस्बास करनेचिही। ओह्या तोरासबके आनन्द आ सान्तीसे भैरदेबे। तहिनङे पबितर आत्माके सक्तिसे तोरासबके आसा बैढते जाय।
अपनासबमे रहल पबितर आत्मा आ अपनासबके निसकपट परेमसे हमसब आपनेके सुध, समझदार, सहनसिल आ दयालु परमानित करनेचियै।