12 हमसब सन्सारके आत्मा नै, महज परमेस्वरके पबितर आत्मा पाबनेचियै, ताकि उ अपनासबके खुसिसे जे चिज देनेछै ओइके बुझैले सकी।
महज खिरिस्ट पबितर आत्मा तोरासबके देनेछौ। तोरासबके उपर पबितर आत्मा रहैतलिक कोइ नै तोरासबके सिखाइतौ कथिलेत पबितर आत्मा सब सिखाइतौ। ओकर सिख्याल सब बात सत हैछै, झुठ नै। पबितर आत्माके देल सिक्छा बमौजी खिरिस्टमे रह।
महज खिरिस्ट तोरासबके पबितर आत्मा देनेछौ आ सत बात तुसब जानैचिही।
ओहैसे जेसब येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैछै, तकरासबके परमेस्वर दन्ड नै दैछै।
सैतान, जे अइ सन्सारके देबता चियै से महिमीत सुसमाचारके इजोतके नै देखे कैहके खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबला लोकसबके बुझैबला सक्तीके आन्हर बन्यादेनेछै।
कि तुसब यि सम्झैचिही कि, पबितर धरमसास्तर बेरथमे एहेन कहैछै, “परमेस्वर अपनासबमे राइखदेने छै तै आत्माके लेल उ एकदमसे डाह करैछै?”
परमेस्वर आपने निज बेटाके बचाके नै राखल्कै, महज ओकरा अपनेसबके लेल देल्कै त, कि उ अपनासबके जम्मे चिज ओकरसङे नै देतै से?
तकरबाद उ स्वरगदुत हमरा कहल्कै, “यि बचन बिस्बासयोग्य आ सत छै। अगमबक्तासबके पबितर आत्मा दैबला परभु परमेस्वर आपन सेबकसबके आब जल्दिए हैबला घटनासब देखाइके लेल स्वरगदुतके पठाइल्कै।”
चाहे पावल, कि अपोल्लोस, कि पतरुस, या सन्सार या जिबन या मिरतु या अखुन्का समय या पछिल्का समय, सब तोरेसबके चियौ।
ओइ बखत तुसब सन्सारके पापी लोकसब जखा चलैछेल्ही आ अकासके सक्तीके मालिक, सैतानके मानैछेल्ही। जे परमेस्वरके नै मानैबला लोकसबके अखुन आपन बसमे राखनेछै।
तैयो परिपक भेल बिस्बासीसबके बिचमे अपनासब ग्यान-गुनके बात करैचियै, महज अइ जुगके ग्यान या अइ जुगके सासकसबके ग्यान नै, जे बितके जेतै।
महज बुधिमानसबके लाजमे पारैके लेल परमेस्वर सन्सारके मुरुख बातसबके छानल्कै आ सक्तिसाली लोकसबके लाजमे पारैके लेल परमेस्वर सन्सारके निरबल बातसबके छानल्कै।
अहिनङे उ अजेगर, जे पहिन्का साँप चियै, जकर नाम दुस्ट आत्मा आ सैतान सेहो चियै, जे पुरे सन्सारके भरमाके राखने छेलै, ओकरा आ ओकर दुतसबके सङे स्वरगसे पिरथिबीमे फेक्नेछेलै।