10 परमेस्वर पबितर आत्मासे अपनासबके यि बात परकट करने छै। कथिलेकी पबितर आत्मा सब बात खोजैछै, अतहेक तक कि परमेस्वरके रहसके बातसब सेहो खोजि करैछै।
महज पिता हमर नाममे पठाइबला सल्लाहकार पबितर आत्मा तोरासबके सब बात सिखाइतौ आ हमर कहल सब बात तोरासबके मन पाइरदेतौ।
पहिने यि रहसके बात औरो कोनो लोकके थाह नै देनेरहै, महज अखुन यि रहसके बात आपन पबितर परेरित आ अगमबक्तासबके परमेस्वर आपन पबितर आत्मासे परकट कैरदेनेछै।
तहै बखत येसु पबितर आत्मामे खुसीसे भैरके कहल्कै, “हे परमेस्वर पिता, स्वरग आ पिरथिबीके मालिक, हम अहाँके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेत अहाँ यि बातसब बुधिमान आ समझदारसे घोसाइरके राखल बात छोट बच्चासबमे परगट करलियै, कथिलेत पिता, अहिनङ करैले अहाँके इक्छा लागल।
परमेस्वर आपन भितरी योजना हमरा परकट करने छै। अकर बारेमे हम तोरासबके पैहनिए छोटकरीमे लिखने चियौ।
कथिलेकी हमरा यि कोनो लोकसे नै मिलल छै, नै यि हमरा सिखाइने छेलै, महज येसु खिरिस्ट आपनेसे हमरा परकट करने छै।
येसु ओकरा कहल्कै, “हे योनाके बेटा सिमोन, तु धैनके चिही! कथिलेत यि बात तोरा लोकसे नै बल्की स्वरगमे रहैबला हमर पितासे परगट भेलछौ।
उ आपन चेलासबके जबाफ देल्कै, “तोरासबके त स्वरगके राजके भितरी भेद जानैले देने छौ, महज ओकरासबके नै देने छै।
महज सतके आत्मा जब एतौ तब उ तोरासबके सब बातसब बुझाइतौ। उ आपने दिसनसे बात नै करतौ महज उ जे सुन्तौ, ओह्या तोरासबके कहतौ तब पाछे हैबला बातसब सोहो कहतौ।
तै बखत अगमबक्तासबके करलहा यि सेबा ओइसबके फाइदाके खातिर नै महज तोरेसबके खातिर चियौ कैहके परमेस्वर ओइ अगमबक्तासबके देखाइने छेलै। यि बात स्वरगसे पठेल्हा पबितर आत्माके सक्तीसे सुसमाचार सुनाबैबला दुवारा अखैन तोरासबके घोसना करनेछौ। यि बात स्वरगदुतोसब जानैले चाहैछै।
महज खिरिस्ट पबितर आत्मा तोरासबके देनेछौ। तोरासबके उपर पबितर आत्मा रहैतलिक कोइ नै तोरासबके सिखाइतौ कथिलेत पबितर आत्मा सब सिखाइतौ। ओकर सिख्याल सब बात सत हैछै, झुठ नै। पबितर आत्माके देल सिक्छा बमौजी खिरिस्टमे रह।
लोकके भितर भेल आपने आत्मा बाहेक के लोकके बिचारके बुझहैले सक्तै? तहिनङे परमेस्वरके बिचार परमेस्वरके आत्मा बाहेक कोइ नै बुझैछै।
महज खिरिस्ट तोरासबके पबितर आत्मा देनेछौ आ सत बात तुसब जानैचिही।
महज बोलैत खिना औरो ककरो परमेस्वरसे कोनो सत बात परकट हैछै त पहिनेसे बोलैबला लोक चुप हेबे।
“परमपरभु खिरिस्टके जाबेतक नै देखबिही ताबेतक तोहे नै मरबिही” यि बात पहिने पबितर आत्मासे थाह भेल छेलै।
यि किताबमे भेल बातसब येसु खिरिस्ट परकट करने छै। परमेस्वर आपन सेबकसबके जल्दीए हैबला घटनासबके बारेमे बुझैले सके कैहके येसुके परकट करल्कै। येसु खिरिस्ट यि बात कहैके लेल एकटा स्वरगदुतके पठाके आपन सेबक युहन्नाके परकट करल्कै।
पबितर आत्मा साफ-साफ कहैछै कि अन्तके दिनसबमे अहिनङो लोकसब हेतै जेसब बिस्बाससे पछा हटतै। उसब छल करैबला आत्माके आ भुतसबके देल सिक्छा मान्तै।
महज एहेन खराब सिक्छामे नै लागल आ सैतानके भितरी रहसके बात नै मानैबला थिआटिरामे भेल औरो लोकके कहैचियौ कि, हम तोरासबके औरो कोनो भारी आग्या नै देबौ।