12 तहिनङे तुसब आत्मिक बरदानसबके खातिर एकदमसे इक्छा करलासे, उ बरदानसब बेसिसे परयोग कर। अनङ करबिही त मन्डलीके बिस्बासीसब आत्मिक तवरसे बलगर हेतै।
हे हमर भाइ-भैयासब, आब हम कथी कहबौ? तुसब एकसाथ जम्मा हैचिही त कोइ भजन गाबैछै, कोइ सिक्छा दैछै, कोइ परमेस्वरसे परगट भेल बात कहैछै, कोइ आन भसा बोलैछै आ कोइ आन भसाके अरथ खोइलदैछै। यि सब बातसबसे मन्डलीके आत्मिक तवरसे बिरधी कराबैछै।
परेम करैबला बातमे लागल रह आ आत्मिक बरदानसब पाबैके लेल उतकट इक्छा राख। खास कैरके अगमबानीके बरदानसब बोलैके लेल इक्छा कर।
महज तुसब उतम बरदान पाबैके लेल उतकट इक्छा राख। आब बरदान कनङके परयोग करबिही से उतम उपाय हम बत्यादेबौ।
सबकोइके भलाइ हेबे कैहके सबलोकके पबितर आत्माके बरदान देलगेलछै।
येसु खिरिस्ट अपनासबके सब पापसबसे मुक्तीदैले आ सब खराबिसबसे छुटकारा दैले आपन परान निछावर करल्कै। उ यि चाहल्कै कि हमसब असल काममे उत्सुक हेबी आ ओकर अपने निज लोक हेबेसकी।
तैल्याके अपनासब उ बातसबके अनुसरन कर जे बात सान्ती लाबैछै आ एक-दोसरके बिस्बासमे बलगर बनाइले मदत करैछै।
तु सबकोइ आन भसा बोल कैहके हम चाहैचियौ, महज ओकरसे बेसि तुसब अगमबानी बोल कैहके हम चाहैचियौ। कथिलेत आन भसामे बोलेसे त बरु अगमबानी बोलनाइ बरका चियै। आन भसाके अरथ खोइल दैबला लोक रहतै तब मातरे मन्डलीके बिस्बासीसबके आत्मिक तवरमे बलगर बनाइतै।
तैखातिर जे आन भसामे बोलैछै, तकर अरथ बताबैके बरदानके लेल उ परथना करे।