12 अखुन हमसब ऐनामे धोनराह देखैचियै, महज ओइ बखतमे साफ-साफ देख्बै। अखुन हम कमे बुझैचियै महज ओइ बखत परमेस्वर हमर बारेमे सब बात जानल जखा, हम्हु सब बात जान्बै।
पिरिय सङिसब, अखुन अपनासब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। महज पाछे कथी हेबै से अखुन तलिक जानकारी नै देनेछै। खिरिस्ट एलाकेबाद अपनोसब ओकरे जखा हेबै कथिलेत उ जैहनङ छै, अपनासब तैहनङे देख्बै।
हमरासबके नै झापले चेहरासे परभुके महिमाके झलकाइचियै। परभु आत्मा चियै आ उ अपनासबके औरो आपनलखा महिमामय रुपमे परिबरतन कैरतेजेतै।
हम लक्छमे पहिनेसे पुइग गेल चियै, या हम पहिनेसे सिध भेलचियै कैहके नै कहैचियौ, महज यिसब पकरैके लेल अगा बैढरहल चियै, जै बातके लेल खिरिस्ट हमरा चुनल्कै।
उसब परमेस्वरके चेहरा देख्तै आ ओकर नाम ओइसबके कपारमे लिखल रहतै।
जे बचन सुनैछै महज पालन नै करैछै, उ आपन मुह ऐनामे देखैबला लोक जखा हैछै।
अपनासब आँखसे देखल बातके आधारमे नै, बल्की बिस्बासके आधारमे जियैचियै।
धैनके चियै सुध हिरदयबलासब, कथिलेत उसब परमेस्वरके देखतै।
महज जे लोक परमेस्वरके परेम करैछै, परमेस्वर ओकरा चिन्हैछै।
हमर बिचारमे अइ जिबनमे अपनासबके भोगल दुख अपनासबमे पछा परकट हैबला महिमासे तुलना करतै त, अखुनके दुख त ओइके अगा किछो नै चियै।
“होसियार रह, यि छोट बच्चासबमेसे ककरो तुसब निच नै समझ। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, उसबके देखभाल करैबला स्वरगदुतसब स्वरगमे रहैबला हमर पिताके अगामे रहैछै।
जहिनङ पिता हमरा चिन्हैछै आ हम पिताके चिन्हैचियै, तहिनङ हम आपन भेंरासबके चिन्हैचियै आ भेंरासब हमरा चिन्हैछै। हम भेरासबके लेल आपन परानो दैचियै।
जब हम बचा छेलियै तब बचे जखा बाजैछेलियै, बचे जखा सोचै छेलियै आ बचे जखा तरक करैछेलियै। महज जब हम जबान भेलियै, तब बचाके बेबहार छोइरदेलियै।