11 यि सब एके पबितर आत्माके काम चियै। उ आपन इक्छा अनुसार सब कोइके अलग-अलग किसिमके बरदान दैछै।
पबितर आत्माके बरदानसब बहौत किसिमके छै, महज बरदान दैबला पबितर आत्मा एके चियै।
परमेस्वर बहुतरा चेन्हासब देखाके बहुत किसिमके आस्चरजके कामसब आ सक्तीसाली कामसब करैत उ आपन इक्छा बमोजिम पबितर आत्माके दान-बरदानसब द्याके यि बातके गबाही देल्कै।
हमसब आपन अधिकारके सिमासे बाहर ज्याके घमन्ड नै करैचियै, महज परमेस्वरके तोकल सिमामे रैहके गर्भ करैचियै आ ओइसबके बिचमे काम करैके लेल सेहो ओहै सिमा भितर रैहके करैचियै।
महज खिरिस्ट आपन अनुगरहके बरदान त आपन नाप अनुसार सब कोइके देनेछै।
तहिनङे कामसब बहौत किसिमके छै, महज सबके जिबनमे काम करैबला सक्ति ओह्या परमेस्वर दैछै।
उ आपन इक्छा अनुसार सत बचनसे अपनासबके लबका जलम देल्कै, ताकी हमसब ओकर सिरिस्टीके एकटा पहिल्का फल जखा भ्यासकी।
कथिलेत सब बात परमेस्वरके योजना आ इक्छा अनुसार भेलछै। परमेस्वर अपनासबके आपन खुसिसे खिरिस्टमे छानल्कै। यि बात उ पहिनेसे करल योजना अनुसार भेल छेलै।
चाहे जे हेबे, परभु जकरा जनङके खटाइनेछौ आ जे बरदान देनेछौ, उ तहिनङके जिबन बिताबे। सब मन्डलीसबके लेल हमर नियम एह्या चियै।
सबलोक हमरे जखा बियाह नै कैरके रहे से हमर इक्छाछै। महज कोनो लोक परमेस्वरसे बियाह करैबला बरदान पाबने छै त कोनो लोक नै करैबला।
परमेस्वरके अनुगरहसे अपनासबके फरक-फरक किसिमके बरदानसब देनेछै ओहै अनुसार काम करे। यदि जकरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै त उ आपन बिस्बास अनुसार ओकर तरफसे अगमबानी बोले।
ओहैसे परमेस्वर जकरा दया करैले चाहैछै, तकरा दया करैछै आ जकर मनके कठोर बनाबैले चाहैछै, तकर मनके कठोर बनाइछै।
कथिलेत जहिनङ पिता मरलाहासबके जियाबैछै आ ओकरासबके जिबन दैछै, तहिनङ बेटो जकरा मन करैछै तकरा जिबन दैछै।
युहन्ना जबाफ देल्कै, “जाबेतक परमेस्वरसे नै देतै ताबे तक लोकके कुछो नै मिल्तै।
हबाके जने बहैले मन लागैछै तने बहैछै। हबाके अबाज त तुसब सुनैचिही, महज कतेसे आबैछै आ कते जाइछै से नै जानैचिही। ओहिनङ लोकसब आत्मासे कनङ जलम लैछै से बात तु नै जानैचिही।”
कि आपन इक्छा लागल लोकके आपने पैसा-कौरी दैले हमरा अधिकार नै छै? हम ओकरा दया करलियै त तोरा कथिले डाह हैछौ’?”
हँ पिता, कथिलेत अहाँके अहिनङ करैले असल लागल।
महज परमेस्वर आपन इक्छा अनुसार देहके सब अङके मिल्याके राइखदेनेछै।