25 कथिलेकी लोकसबके बुधिमानी योजनासे त बरु परमेस्वरके मुरुख योजना बेसी महान छै आ परमेस्वरके दुरबलता लोकसबके बलसे सक्तिसाली छै।
बिनास हैबला लोकसब कुरूसके समादके मुरुख बात ठानैछै, महज हमसब मुक्ती पाबैबलासबके लेल यि परमेस्वरके सक्ती चियै।
कथिलेत उ कमजोर भ्याके कुरूसमे टाङल गेलै महज परमेस्वरके सक्तीसे जिबित भेलै। तहिनङे हम्हुसब ओकरसङे कमजोर भेलचियै, महज परमेस्वरके सक्तिसे खिरिस्टके लया जिबन अपनासबमे सेहो छै आ उ जिबनके सक्ती तोरासबसङे बेबहार करैतखिना देखल जेतै।
सन्सारके लोकसब आपन बुइधसे परमेस्वरके चिन्हैले नै सक्लै, तैल्याके उ आपन बुधिमानी योजना अनुसार अपनासबके परचार करल मुरुख बातसबसे बिस्बास करैबलासबके बचाइले चाहल्कै।
जै लोकमे परमेस्वरके आत्मा नै छै, उ लोक परमेस्वरके आत्माके बातसबके गरहन नै करैछै। कथिलेत एहैन बातसब ओकरलेल मुरुख बात हैछै। एहैन बात त परमेस्वरके आत्मासे मातरे बुझैले सकैछै।
हमसब खिरिस्टके सेबक भेलासे लोकसबके नजरमे मुरुख भेलचियै, महज तुसब त खिरिस्टके लेल बुधिमान चिही। हमसब कमजोर चियै, महज तुसब बौकार चिही। लोकसब त तोरासबके आदर करैछौ महज हमरासबके अनादर करैछै।