24 महज परमेस्वरके बोलाबट पाबलाहा लोकसबके लेल, चाहे उ यहुदी हेबे या गैर-यहुदी हेबे, खिरिस्टे परमेस्वरके सक्ती आ बुधि चियै।
परमेस्वरके कारन तुसब खिरिस्ट येसुमे चिही, परमेस्वर खिरिस्ट येसुके अपनासबके लेल बुधि, धरमी, पबितर आ पापसे छुटकरा दैबला बनाइल्कै।
ओकरेमे परमेस्वरके सब ग्यान आ बुइधके सारा सम्पतीके भन्डारछै।
बिनास हैबला लोकसब कुरूसके समादके मुरुख बात ठानैछै, महज हमसब मुक्ती पाबैबलासबके लेल यि परमेस्वरके सक्ती चियै।
परमेस्वर बिस्बास योग्य छै। उ आपन बेटा, अपनासबके परभु येसु खिरिस्टसङे सङगतीमे रहैके लेल तोरासबके बोलाइल्कौ।
हमरा यि सुसमाचार सुनाइले लाज नै लागैछै, कथिलेकी बिस्बास करैबला सबलोकके मुक्ती दैकेलेल यि सुसमाचार परमेस्वरके सक्ती चियै, जे पहिने यहुदीसबके लेल आ बादमे गैर-यहुदीयोसबके लेल चियै।
पबितर आत्माके देख्याल अनुसार येसु खिरिस्ट परमेस्वरके बेटा चियै, कथिलेकी ओकरा मरलसे फेन जिबित कराइल्कै। उ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट चियै।
ओकर बोलाबट पाबैबला लोकसब हमसब चियै। उ हमरासबके यहुदी मेसे मातरे नै महज गैर-यहुदी जातीसबसे सेहो बोलाइनेछै।
परमेस्वरके बुइध जकरसङे छै स्याहा ओकर बुइधके ठिक कहैछै।”
कोरिन्थ सहरमे भेल परमेस्वरके मन्डलीके, जकरा खिरिस्ट येसुमे पबितर बनाइनेछै आ ओकर पबितर जन हैकेलेल बोलाइल्कै आ चारुदिसनसे जे परभु येसुके पुकरा करैछै। ओह्या ओइसबके आ अपनासबके परभु चियै।
अहै खातिर सबकुछ जानैबला परमेस्वर कहल्कै, ‘हम तोरासबके लगमे अगमबक्ता आ परेरितसबके पठाइबौ। महज ओइमेसे ककरो मारबिही त ककरो सताइबिही।’
तुसब रोम सहरमे भेल सब लोकसबके परमेस्वर परेम करैछै, जे परमेस्वरके पबितर लोक हैकेलेल बोल्यालगेलछै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।