3 सोनाके धुपदानी बोक्ने दोसर एकटा स्वरगदुत आइबके बेदीके कातमे ठार भेलै। सिंहासनके अगा भेल सोनाके बेदीमे परमेस्वरके जनसबके परथनासङे चरहाबैके लेल ओकरा बहुत गमकैबला धुप देल्कै।
धुप बारै बखत लोकसबके भिर बाहरमे परथना कैर रहल छेलै।
तब के अपनासबके दन्ड दैले सक्तै? कोइ नै सक्तै, कथिलेत येसु खिरिस्ट अपनासबके लेल मरलै। ओतबे नै, परमेस्वर ओकरा मरलसे जियेल्कै आ अखुन परमेस्वरके दहिनाकात बैठलछै आ अपनासबके लेल परमेस्वरसे बिन्ती कैररहलछै।
अहैलेल येसुमे बिस्बास कैरके परमेस्वरके लग आबैबलासबके उ सबदिन उधार करैले सकैछै, कथिलेत ओइसबके लेल परमेस्वरसङे परथना करैले सबदिन जिबितछै।
ओते धुप बारैबला सोनाके बेदी आ सोनाके पतरसे सजल करारके सन्दुक छेलै। जै सन्दुकमे मन्न खाइबला चिज सोनाके भरियामे राखल छेलै। कोरही एल हारुनके लाठी आ परमेस्वरके लिखल दस आग्याके दुइटा पथलके सिलेटसब छेलै।
तकरबाद हम दोसर सक्तिसाली स्वरगदुतके स्वरगसे निचा उतरैत देखलियै। ओकर देह बादलसे झापल छेलै आ मुरी उपर पैनसोका छेलै। ओकर चेहरा सुरुजके जखा आ ओकर टाङसब आइगके खम्हा जखा छेलै।
तब बेदीसे दोसर स्वरगदुत एलै, जकरा आइग उपर अधिकार देलगेल छेलै। तब उ चोख हसुवा लैबला स्वरगदुतके जोरसे अनङ कहल्कै, “तोहर चोख हसुवा चला आ पिरथिबीमे भेल अङगुरके झोखासब जम्मा कर, कथिलेकी पिरथिबीके सब अङगुर पाइकगेलछै।”
तकरबाद उ चारटा जिबित परानीसब आ चौबिसटा धरमगुरुसब अगा आइबके निहुक गेलै। सबके हाथमे एक-एकटा बजाबैबला बिना आ धुप गमकसे भरल सोनाके बाटी छेलै, उ धुपके गमक त परमेस्वरके लोकसबके चरहाल बिन्ती परथना चियै।
तकरबाद थुमा पाँचम लाहटके तोरल्कै, तब बेदीके निचा हम ओइसबके आत्मासबके देखलियै, जकरा परमेस्वरके बचन सुनेलाके खातिर आ ओकर बारेमे गबाही देलाके खतिर काइटके मुवाइने छेलै।
जिबित परमेस्वरके लाहट लेके एकटा स्वरगदुत पुरुबसे उपर दिसन आबैत हम देखलियै। पिरथिबी आ समुन्दरके नोक्सान करैबला अधिकार पाबलहा चारटा स्वरगदुतसबके उ जोरसे अनङ कहल्कै,
परमेस्वरके अगा ठारभेल स्वरगदुतके हाथसे धुपके धुवाँ परमेस्वरके जनसबके परथनासङे उपर दिसन गेलै।
तकरबाद उ स्वरगदुत धुपदानी लेके ओइमे बेदीके आइग भरल्कै आ पिरथिबीमे फेकल्कै त मेघ गरजनके आबाज एलै, बिजली चमैक उठलै आ भुमकौन गेलै।
तकरबाद छठम स्वरगदुत आपन तुरही फुकल्कै त हम परमेस्वरके अगा भेल सोनाके बेदीके चार सिंङसे निकलल एकटा अबाज सुनलियै।