1 तकरबाद हम दोसर दरसन देखलियै आ स्वरगमे एकटा केबार खुलल देखलियै। हमर सुनल पहिन्का अबाज तुरहीके जखा आबाजमे हमरसङे अनङ बोलैत सुनलियै, “अते उपर या, तकरबाद हैले आबैबला बात हम तोरा देखाइबौ।”
तब येसु बप्तिस्मा ल्याके तुरन्ते पानीसे बाहर निकल्लै, तब स्वरग उघरलै आ उ परमेस्वरके आत्मा पौरकीके रुपमे आपन उपरमे आबैत देखल्कै।
येसु पानीसे बाहर निकलते मातर स्वरग उघरलै आ पबितर आत्मा पौरकीके रुपमे आपन उपर आबैत देखल्कै।
जब सब लोकसब बप्तिस्मा लैछेलै तखुन्ते येसु ओहो बप्तिस्मा लेल्कै। परथना करैबखत स्वरग उघरलै,
महज सतके आत्मा जब एतौ तब उ तोरासबके सब बातसब बुझाइतौ। उ आपने दिसनसे बात नै करतौ महज उ जे सुन्तौ, ओह्या तोरासबके कहतौ तब पाछे हैबला बातसब सोहो कहतौ।
तब उ स्वरग उघरल आ ओतेसे बरका तन्ना जखा कोनो चिज जकर चारु खुट बान्हल पिरथिबी दिसन उतरैत देखल्कै।
तब उ कहल्कै, “देख, हम स्वरग उघरल आ परमेस्वरके देहनाकात मानब पुतर येसुके ठारभेल देखैचियै।”
परभुके दिनमे हम पबितर आत्मासे भरलछेलियै आ हमर पछा दिसन एकटा तुरहीके जखा अबाज हम अनङ कहैत सुनलियै।
हमरसङे बोलैबला के चियै कैहके हम पछा ताकलियै त हम दिया राखैबला सातटा सोनाके डैठ देखलियै।
अहै खातिर तु जे देखैचिही से लिख। अखन आ पाछु आबैबला सब घटना लिख।
उ दुनु अगमबक्तासब स्वरगसे एकटा एहेन बरका अबाज सुनल्कै, “अते उपर या।” तब ओकरासबके दुस्मनसब देखते देखते उ दुनु बादलमे स्वरग दिसन चैलगेलै।
तखन स्वरगमे परमेस्वरके मन्दिर खुल्लै आ ओकर मन्दिर भितर ओकर करारके सन्दुक देखापरलै। तब अकासमे बिजली चमैक उठलै। डरलागैबला अबाज सुनाइ देल्कै आ मेघके गरजन सुनेलै, भुमकौन गेलै आ बरका बरका पथल परलै।
सातम स्वरगदुत आपन बाटी हबामे झाइक देल्कै। तब परमेस्वरके सिंहासनसे एकटा एहैन अबाज एलै, “आब समाप्त भेलै।”
तकरबाद हम स्वरग उघरल देखलियै आ ओते एकटा उजर घोरा छेलै। ओइमे सबार हैबला “बिस्बासयोग्य” आ “सत” कहेतै। उ ठिकसे नियाइ आ लराइ करतै।
तकरबाद उ स्वरगदुत हमरा कहल्कै, “यि बचन बिस्बासयोग्य आ सत छै। अगमबक्तासबके पबितर आत्मा दैबला परभु परमेस्वर आपन सेबकसबके आब जल्दिए हैबला घटनासब देखाइके लेल स्वरगदुतके पठाइल्कै।”