2 महज मन्दिर बाहरके अङनाके नै नाप कथिलेकी उ त गैर-यहुदी लोकसबके देलगेलछै आ उसब बयालिस महिनातक पबितर सहरके लतम-लत करतै रहतै।
उसब चिहानसे बाहर आइबके जब येसु मुरदासे जिबित भेलै तब उसब पबितर सहरमे गेलै आ बहुतो लोकसबके देखाइ देल्कै।
तब सैतान येसुके पबितर नगर यरुसलेमके मन्दिरके टुपीमे लज्याके कहल्कै,
“तुसब पिरथिबीके नोन चिही, महज नोनके सबाद उइरजेतै त फेनो कोन चिजसे नोनगर हेतै? उ त काम नै लागैबला भ्याके फेकलजेतौ आ लोकसब ओकरा आपन टाङसे धाङै बाहेक औरो कोनो कामके नै हेतौ।
दुस्मनसब ओइसबके तरबारसे काइटके मारतौ। ओकरा बन्दी बनाके देस-देसमे ल्याजेतौ। तब आन जातसे समय पुरा नै छै तक उसब यरुसलेमके टाङके तरमे दाइबके राख्तौ।”
तुसब आपने बिचार कर, परमेस्वरके बेटाके अनादर करैबला, आपनेके पबितर बनाइबला करारके लहुके अपबितर करैबला आ अनुगरह दैबला पबितर आत्माके अपमान करैबला लोक औरो बरका सजाय पाबतै।
महज सारहे तिन दिनके बाद परमेस्वरसे जिबनके साँस ओकरासबमे ढुकलै आ उसब आपन टाङमे ठार भेलै, तब ओकरासबके देखैबलासबके बरका डर भेलै।
हमर दुइटा साक्छीसबके एक हजार दुइ सय साइठ दिनतक बोराके बस्तर लगाके अगमबानी बोलैके सक्ती हम देबै।”
तब ओकर माँ उजार जगह दिसन भाग्लै, जते एक हजार दुइ सय साइठ दिन तलिक ओकरा पालन-पोसन करैले परमेस्वर ठाम तयार करने छेलै।
तकरबाद हम पबितर आत्मासे भरपुर भेलियै आ स्वरगदुत हमरा बरका आ उच पहारमे ल्यागेलै। तब स्वरगदुत हमरा स्वरगमे रहैबला परमेस्वरसे निचा दिसन खसैत पबितर सहर यरुसलेम देखाइल्कै।
तब हम परमेस्वरसे बरके लेल कनिया जखा सिङगार-पटार करल, अरथात पबितर सहर, लया यरुसलेम, स्वरगसे निचा आबैत देखलियै।
जे कोइ अइ किताबमे लिखल अगमबानीके बचनसे किछो घटेतै त, परमेस्वर जिबनके गाछ आ पबितर सहरसे पाबैबला भाग ओकरसे छिनके लजेतै।