14 ओहैसे स्वरगके इनाम जितैके बिचारसे लक्छ दिसन अगा बरहैचियै। अकरे लेल परमेस्वर हमरा खिरिस्ट येसुसे अनन्त जिबनमे बोलाइनेछै।
“बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके बखत तक मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके बातसबके परचार करल्कै। तहै बखतसे परमेस्वरके राजके सुसमाचार परचार भ्यारहलछै, तब सबलोक परमेस्वरके राज भितर बलपुरबक परबेस करैछै।
कथिलेत परमेस्वर आपनेसे देल बरदान कहियो फिरता नै लैछै आ बोल्यालसबके कहियो नै छोरैछै।
दौरमे भाग लैबला सबकोइ दौरैछै महज एक गोरे मातरे इनाम पाबैछै से बात तोरासबके थाह नै छौ? तैखातिर तुसब इनाम पाब्बै तै किसिमसे दौर।
अपनासबके अखैन भोगल दुख पछा आबैबला बरका अनन्तके सुख समैझके त साँचे यि कुछो नै चियै।
सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।
हमरासबके दरसन मिललछै कैहके झुठ नमरता देखाबैत, स्वरगदुतके पुजा करैबला आ आपनेके महान समझैबलासब छै। उसब एहेन छल-कपटमे फैसके तुसब पाबैबला इनाम नै गुमा। एहेन लोकसब बिना कारन देहके स्वभाबके ग्यानमे घमन्ड कैरके फुलल रहैछै।
तोरासबके चालचलन परमेस्वरके नजरमे योग्य हेबे से उदेस्यसे हमसब तोरासबके अरतिउपदेस, उत्साह आ बिन्ती करैत रहलियौ। कथिलेकी परमेस्वर आपन राज आ महिमामे तोरासबके सहभागी हैकेलेल बोलाइछौ।
परमेस्वरे हमरौरके बचेल्कै आ आपन पबितर बोलाबटसे बोलाइल्कै। हमरौरके काम देखके नै, महज उ आपन इक्छा आ अनुगरहसे करने छै, जे उ खिरिस्ट येसुमे जुगो-जुग पहिनेसे हमरासबके देने छेलै।
ओहैसे परमेस्वरके बोलाबट पाबलहा पबितर जनसब, तुसब आपन धियान येसुमे लगा, जकरा अपनासब परेरित आ परधान पुजारी कैहके सुइकार करैचियै।
ओहैसे खिरिस्टके बारेमे सुरुमे सिख्याल सिक्छासब छोइरके अपनासब परिपक सिक्छा दिसन बरहु। अपनासब मिरतुमे लजाइबला कामसबसे पस्चाताप आ परमेस्वरमे बिस्बास करैबला बात फेनसे नै कर।
अहै खातिर तोरासबके आपन मन तैयार राख, आत्म संयमी बन आ येसु खिरिस्ट आबै बखत तुसब पाबैबला अनुगरहमे पुरा आसा राख।
तुसब कुछ समय कस्ट भोग्लाके बाद, अनुगरहसे भरल अपनासबके परमेस्वर, जे तोरासबके खिरिस्टमे अनन्त महिमामे सहभागी हैकेलेल बोलाइनेछौ। उ आपनेसे तोरासबके फेनसे अस्थापना करतौ, सिध करतौ, बलगर बनाके अस्थिर कराइतौ।
आपन महिमा आ भलाइसे अपनासबके बोलाइबलाके हमसब जानैके कारन परमेस्वरके इस्वरीय सक्तिसे जिबन आ भक्तीके लेल अपनासबके आवसेक परल सब चिज परमेस्वर देनेछै।
जे जित्तै, हम ओकरा हमर सिंहासनमे हमरसङे बैठैले हक देबै, जनङ हम जितलियै आ आपन पितासङे ओकर सिंहासनमे बैठल चियै।’