3 माननिय थियोफिलस सुरुवेसे होसियारीसाथ सब चिजसबके तलासी करनेचियै आ तोहर लेल बिबरन मिल्याके लिखैले हमरा निक लागल,
हमरासबके बिचमे पुरा भेल घटनासबके बिबरन लैबला बहुत लोकसब आपन हाथमे लेने छै।
पिरिय थियोफिलस, हमर पहिल्का किताबमे सुरुवेसे येसुके करल आ सिख्याल सब चिजके बारेमे लिखने चियै।
तब पतरुस, कनङके कथी भेल छेलै, से बातसब सुरुवेसे ओइसबके सुनाबे लाग्लै।
“अहै खातिर हमर बिचार छै कि परमेस्वर दिसन घुइमके आबैबला आनजातसबके अपनासब दुख नै दहै,
तै कारन हमसब बैठकी कैरके सल्लाह करलियै, तब एकमत कैरके हमरासबके बात अहाँसब लग पुगाइले हमरासबके बिचसे चुइनके हमरासबके पिरिय बरनाबास आ पावलके सङे पठाइले निरनय करलियौ।
पबितर आत्मा आ हमरासबके यि उचित लाग्लै कि पालन करैबला मुख बातके अलाबा औरो कोनो बोझ नै हेबे।
कुछदिन तक ओतै रहलै। तकरबाद फेनो उ गलातिया आ फिरिगिया इलाकाके ठामसब हैत, सब ठाममे रहल परभुके बिस्बासीसबके बिस्बासमे बलगर बनाइत गेलै।
“माननिय बडा हाकिम फेलिक्स, हम क्लौडिया लुकियसके तरफसे अभिबादन!
यि बात हर परकारसे सगरो हमसब धन्यबादके साथ सुइकार करैचियै।
पावल कहल्कै, “हे परतापी फेस्तस, हम पागल नै चियै, महज हम जे कहैचियै उ एकदम सत आ जाइज छै।
आब भाइ अपोल्लोसके बिसयमे हमरा कुछ कहैके छै, कि हम ओकरा औरो भाइसबसङे मिलके तोरासबसङे भेटघाट करैके बहुतो आगरह करनेछेलियै, महज अखैन ओकरा आबैके एकोरती इक्छा नै छै। महज मौका पाबते मातर उ एतै।
हमर बिचारमे यि छै कि, यदि उ फेरसे बियाह नै करतै त औरो बेसीसे खुस रहतै। यि सल्लाह हम परमेस्वरके आत्मासे दैचियौ।
यदी तु यि सिक्छा औरो बिस्बासी जनसबके सिखाइबिही त, तु पालन करैत एल सिदान्त आ बिस्बासके बचनमे बौकार भ्याके येसु खिरिस्टके असल सेबक हेब्ही।