3 पबितर आत्मा तोरासबके मेलमिलापमे आन्ने छौ। ओइ एकताके सकभर जोग्याके राख।
कोनो राजमे आपनमे फुट हेतै त उ राज नै टिकतै।
आब हम तोरासबके एकटा लबका आग्या दैचियौ, तुसब एक-दोसरके परेम कर। जहिनङ परेम हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके परेम कर।
हे हमर भाइ-बहिनसब हम तोरासबके परभु येसु खिरिस्टके नाममे बिन्ती करैचियौ कि, तुसब एक दोसरसङे मिलजुइलके रह। तोरासबके बिचमे कोनो किसिमके मनमोटाब नै हेबे, महज तुसब एके मनके आ एके बिचारके हो।
अन्तमे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आब हम बिदा हैत बेर, तोरासबके यि कहैले चाहैचियौ, कि जीजानसे सिध हैले कोसिस कर। हमर बिन्ती सुन, एक-दोसरके बात सुन आ सान्तीमे रह। सान्ती आ परेम दैबला परमेस्वर तोरासबसङे रहे।
अपनासब बिस्बास आ परमेस्वरके बेटाके ग्यानमे एक भेल आ खिरिस्टके पुर्नताके नाप अनुसार पकिया लोक बनल उ चाहैछै।
देह एके चियै आ पबितर आत्मो एके चियै। तहिनङ तोरासबके एके आसामे बोलाइनेछौ।
ओइसबके करल कामके लेल ओकरासबके परेमसे एकदम आदर-भाव दहै। एक-दोसरसे मेलमिलापमे रहैजाइजो।
जम्मे लोकसबसङे मिलके सान्तीमे रह आ पबितर जिबन जियैके कोसिस कर, कथिलेत पबितर नै भ्याके कोइयो नै परमेस्वरके देखैले सक्तै।