तोरासबके पिता त सैतान चियौ आ तुसब आपन पिताके इक्छा पुरा करैले चाहैचिही। उ त सुरुवेसे हतियारा छौ, सत चिजसे ओकरा कोनो मतलब नै छै, कथिलेत ओकरमे कोनो सत नै छै। जब उ झुठ बोलैछै, उ आपन स्वभाब अनुसार बोलैछै, कथिलेकी उ झुठ चियै आ उ झुठके पिता चियै।
अन्तमे सहरके हाकिम लोकसबके सान्त करल्कै आ कहल्कै, “हे एफिससके लोकसब, एफिसीसबके सहर महान आरतेमिसके मन्दिर आ अकाससे खसल ओकर मुरुतके रक्छक चियै, से के नै जानैछै?
ओकर मतलब तुसब बेबिचार करैबला, लोभ करैबला, लुटपाट करैबला या मुरतिपुजा करैबलासबसे बिलकुले सङहत नै कर कैहके नै कहलियौ, नै त तोरासबके सन्सारे छोइरके जाइले परतौ।
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।
परमेस्वरके बेटा-बेटी आ सैतानके बेटा-बेटी अहिनङके चिन्हैले सकैचियै कि धारमिकतामे नै चलैबला आ आपन भाइ-भैयासबके परेम नै करैबला परमेस्वरके बेटा-बेटी नै हैछै।