21 जार मौसम आबैसे पैहनैये चैल आबैले कोसिस कर। युबुलस, पुडेस, लिनस, कलौडिया आ अतेका सब भाइ-बहिनसब तोरा गोर लागैचियौ कैहके पठाइनेछौ।
कोइ तोहर उपर झगरा लग्याके पन्च लग लजाइत खिना रस्तेमे मिलैके कोसिस कर। नै त उ तोरा पन्चके अगा लेजाइतौ आ पन्च तोरा सिपाहीके जिमा लगाइतौ आ सिपाही तोरा जहलमे ढोइकदेतौ।
अतेका सब भाइ तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। तुसब सेहो एक-दोसरके पबितर परेमसे गोरलगी कर।
अते भेल परमेस्वरके जनसब तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
सब पबितर लोक आ खास कैरके रोमी सरकारके दरबारमे भेल सबलोक तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
जब तोहर चुबल लोरके याद आबैछौ, तब तोहरसे भेट करैले मन लागैछै ताकी तोहर सङे भेटके हम खुसी हेतियै।
आबै बखत तोरोआस सहरमे कारपस लग हमर छोरलहा बस्तर ल्याके आबिहे। ओते भेल्हा सब किताबसब आ खास कैरके छलामे लिखल किताबसब नै बिसैरके आइन दिहे।
सकभर हमरा जल्दी आइबके भेट कर।
जब हम, अरतिमास या त तुखिकसके तोहरलग पठेबौ, तु हमरा जल्दीसे भेटैले निकोपोलिस सहरमे आबिहे। कथिलेकी जार मास हम ओतै बिताबैके इक्छा कैने चियै।
परमेस्वरसे चुनल तोहर बहिनके बेटा-बेटीसब सेहो तोरा गोरलगी पठाइनेछौ।
बरु हम तोरा जल्दिए भेटमुलाकातके असा करनेचियै आ हमसब आमने-सामने भेटके बातचित करबै।