14 लोहाके काम करैबला अलेक्जेन्डर हमरा बहौत नै निक करल्कै। ओकर करल कामके फल परभुवे ओकरा देतै।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आपनेसे ककरो बदला नै ले महज परमेस्वरके करोधमे छोइरदहै। कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे परमपरभु एहेन कहैछै, “बदला लैबला काम हमर चियै, हम्ही बदला लेबौ।”
परमेस्वर हरेक लोकके ओकर करल करम अनुसारके फल देतै।
परमेस्वर न्यायि भेला से उ त तोरौरके दुख दैबलासबके सजाय देतौ।
ओइसबमे परैबला हुमेनियस आ अलेक्जेन्डर चियै। उसब परमेस्वरके बदनामी करैले छोरे कैहके हम ओकरासबके सैतानके हाथमे सोइप देलियै।
ओकरसे तुहु होसियार रह, कथिलेत उ अपनासबके परचारके एकदम बिरोध करल्कौ।
कोनो लोक बिस्बासीके पाप करैत देखैछै आ उ पापके नतिजा मिरतु नै हेतै त, ओकरलेल परमेस्वरसङे परथना कैर दैहे आ परमेस्वर ओकरा जिबन देतै। महज मिरतुमे लजाइबला पाप सेहो छै, ओकरलेल परथना कैरदहै कैहके हम नै कहैचियौ।
हे स्वरगमे भेल्हासब, उ सहर नास भेलासे खुस हो। हे परमेस्वरके पबितर जनसब, परेरितसब आ अगमबक्तासब सबकोइ आनन्द मना! कथिलेत तोरासबके सताबैके कारन परमेस्वर ओकर नियाय करने छै।
उ महानगरी तोरासबके जहिनङे कराइने छेलौ, ओकरो ओहिनङे कर। उ तोरासबके लेल जनङ काम करने छेलौ, ओकर दोबर फिरता कैरदहै। उ तोरासबके लेल बाटीमे जतहेक मध भरनेछेलै, ओकरसे दोबर करा मध ओकरा दहै।
तब उसब अनङ कहैत जोरसे चिच्याके कहल्कै, “हे सरबसक्तिमान, पबितर आ सत परभु, पिरथिबीमे हमरासबके मारैबलाके अहाँ कहियातक इन्साफ नै करबै आ हमरासबके लहुके बदला नै लेबै?”