15 तु छोटेसे पबितर धरमसास्तरमे लिखल बचनसे परिचीत चिही। ओहै बातसबसे खिरिस्ट येसुमे बिस्बास कैरके मुक्ती पाबैले ग्यान दैछौ।
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “तुसब भरममे परलचिही। तुसब पबितर धरमसास्तर आ परमेस्वरके सक्तीके बारेमे नै जानैचिही।
कथिलेत परभुके नजरमे उ महान हेतै। उ कहियो नै अङगुरके मध आ दोसर कोनो निसाबला चिज छुबतै। उ जलमैसे पहिने पबितर आत्मासे भरल रहतै।
बालक येसु बैढते बल, बुइधसे भैरते गेलै आ परमेस्वरके आसिरबाद ओकरमे रहै।
तब येसु ओइसबके मोसाके किताबसब आ सब अगमबक्तासबसे सुरु कैरके, धरमसास्तरमे आपन बारेमे लिखल सबबातसबके अरथ असलसे खोइलके बुझादेल्कै।
उसब आपनमे बात करैत कहल्कै, “उ अपनासबके सङे बाटमे बातचित करैतखिना आ धरमसास्तरके अरथ खोइलदैतखिना कि अपनासबके मन खुसीसे गद-गद भेल नै रहौ?”
तब येसु ओकरासबके धरमसास्तरसब बुझैले समझसक्ती खोइल देल्कै,
महज तुसब ओकर लिखल बातसबमे बिस्बास नै करैचिही त, हमर कहल बात कनङके बिस्बास करबिही?”
सब अगमबक्तासब येसुके बारेमे गबाही देनेछै, जे कोइ ओकर उपर बिस्बास करतै ओइसबके पाप ओकर नाममे छमा हेतै।”
आ ओकर बिसयमे लिखल सब बात उसब पुरा करलाके बाद उसब येसुके कुरूससे निचा उताइरके चिहानमे लज्याके राखल्कै।
पावल डरबी सहर हैत लुस्तरा सहरमे पुग्लै। लुस्तरामे तिमोथी नामके परभुमे बिस्बास करैबला एकटा चेला रहै। उ बिस्बासी यहुदी जनिके बेटा रहै महज ओकर बाप गिरिक जातीके रहै।
पावल आपन आदत अनुसार अहौ ठामके सभाघरमे गेलै। उ ओते तिन हप्ता तक पबितर बिसराम दिनमे धरमसास्तरमे लिखल बातसबमे ओइसबसङे बात-चित करैत रहलै।
पावल यि बातसब आपन बचाउके लेल कहैत खिना फेस्तस जोरसे कहल्कै, “ऐ, पावल तुहे पागल भ्यागेल चिही! तोहर बहुत ग्यान तोरा पागल बन्यादेनेछौ।”
जे सुसमाचार बहुत बरिस पहिने परमेस्वर देबै कैहके परतिग्या करने छेलै। अकरे बारेमे ओकर अगमबक्तासब पबितर धरमसास्तरमे लिखने छेलै।
अकर बारेमे अनन्त परमेस्वरके आग्या अनुसार अगमबक्तासबके लिखल बात सब जातिके लोकसब लग अखुन परकट भेल छै ताकी उसब बिस्बास करे आ ओकर आग्या पालन करे।
तु यहुदीसबसङे लिखल बेबस्थाछौ आ तोरासबके खतना भेलछौ तैयो तुसब बेबस्था पालन नै करैचिही महज गैर-यहुदीसब खतनो नै कैरके बेबस्था पालन करैछै त तुसब स्वतह दोसी ठहरल जेब्ही।
सन्सारके लोकसब आपन बुइधसे परमेस्वरके चिन्हैले नै सक्लै, तैल्याके उ आपन बुधिमानी योजना अनुसार अपनासबके परचार करल मुरुख बातसबसे बिस्बास करैबलासबके बचाइले चाहल्कै।
हौ बाबुसब, आपन धियापुतासबके तामस नै चरहाब महज ओइसबके परभुके अनुसासन आ सिक्छामे अगा बरहाब।
हम नै आबैतक बिस्बासीसबके तु पबितर धरमसास्तर पैढके सुना, साहस दहै आ सिक्छासब देबेमे लागल रह।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे येसु खिरिस्टमे चुनल परेरित चियै। येसु खिरिस्टमे भेल अनन्त जिबनके परतिग्या सुनाइके लेल परमेस्वर हमरा पठाइने छै।
हम तोहरमे भेल निसकपट बिस्बासके याद करैचियौ। जे बिस्बास तोहर नानी लोइस आ तोहर माँ युनिसमे छेलौ। हमरा पुरा बिस्बास छै, जे उ बिस्बास तोरोमे छौ।
पावल सब चिठीसबमे अहिनङे बातसब लिख्नेछै। ओकर लिखल चिठीसबमे कोनो-कोनो बातसब बुझैले कठिनाइ हैछै। बात नै जानैबला लोक आ चनचल लोकसब ओकरा उल्टा पुल्टा अरथ लगाबैछै। उसब पबितर धरमसास्तरके सेहो ओहिने अरथ लगाबैछै। ओहिनाइते उसब आपनेके नासमे पुगाबैछै।
तब हम ओकरा आराधना करैले ठेङहुनिया देलियै महज उ हमरा कहल्कै, “तु एहेन नै कर। हम त तोहर आ तोहर भाइ-भैयासबसङे येसुके गबाही दैबला परमेस्वरके सेबक मातरे चियै। परमेस्वरके मातरे आराधना कर। कथिलेत जे कोइ परभु येसु खिरिस्टके गबाही दैछै ओकरा परमेस्वरसे अगमबक्तासबके हौसला दैछै।”