11 हम एन्टिओखिया, आइकोनियन आ लुस्तरा सहरमे केहन-केहन दुख भोगे परलै, से बात तु निक जखा जानैचिही। महज परभु हमरा ओइ सब आफत-बिपतसबसे बचेल्कै।
महज उसब परगासे निकैलके पिसिदियाके एन्टिओखिया सहरमे एलै। ओते उसब बिसराम दिनमे यहुदीसबके सभाघरमे ज्याके रहलै।
लोकसबके भिर देखके यहुदीसब एकदमसे डाह करे लाग्लै। पावल जे बाजैछेलै तै बातके उसब अपमान करैत ओकर बिरोध करे लाग्लै।
लुस्तरा सहरमे एकटा जलमेसे नेङर लोक रहै छेलै। उ कहियो नै चल-फिर करने रहै।
हम त धिरजके साथ आ लोर बह्या-बह्याके यहुदीसबके जालझेलके बावजुदो परभुके सेबा करतै रहलियै।
जब ओइसबमे मतभेद बरहैत गेलै तब सेनापती डेरागेलै जे पावलके उसब टुकरा-टुकरा कैर नै दै। तैल्याके उ सैनिकसबके निचा ज्याके पावलके ओइसबके बिचसे जबरजस्तीसे गढ़मे लजाइले आग्या करल्कै।
हम तोरा तोहर आपने जाती आ आन जातीसबसे बचाइबौ। हम तोरा गैर-यहुदीसब लग अइलेल पठारहल चियौ कि,
महज आइके दिनतक हम परमेस्वरसे सहायता पाइबिये रहलचियै। अहै खातिर हम अते ठार भ्याके छोटका-बरका सबके गबाही दैचियै। अगमबक्तासब आ मोसाके कहल बचन अबस्य पुरा हेतै से बातसबके अलाबा हम कोनो बात बेसीसे नै कहनेचियै।
कथिलेकी हमर नामके खातिर ओकरा कतहेक दुख भोगे परतै, आब हम ओकरा देखाइबै।”
हम यहुदिया परदेसमे भेल परमेस्वरमे बिस्बास नै करल लोकसबसे बचैले सकि आ जे रुपैया-पैसा पुगाबैले हम यरुसलेम ज्यारहल चियै तकरा ओइ ठाममे परमेस्वरके पबितर जनसब खुसीसे सुइकार करैले सके कैहके परथना कैरदिहे।
हमसब जतहेक खिरिस्टमे दुख भोग्बै, ततहेक बहौत परमेस्वर अपनासबके खिरिस्टसे सान्तबना देतै।
तोरासबके बिसयमे हमरासबके आसा एकदमसे अटल छै। कथिलेकी हमरासबके थाहछै कि, तुसब हमरासबके जखा भोगल दुख भोगैचिही, तहिनङे हमरासबके भेटल सान्तबना जखा तुहुसब सान्तबना पाबबिही।
ओहैसे खिरिस्टके खातिर कमजोरीमे, बदनामीमे, कठिनाइमे, सताबटमे, आपत-बिपतमे हम सन्तुस्ट चियै। कथिलेकी जब हम कमजोर हैचियै, तब हम सक्तिसाली हैचियै।
हम उत्तम लराइ लरने चियै। हम आपन दौर पुरा करनेचियै आ आपन बिस्बासमे अटल चियै।
ओहिनङ परभु धरमी लोकसबके संकटसे बचाबैले आ अधरमी लोकसबके दन्ड दैले नियायके दिन तलिक राखैले जानैछै।