तब पावल आ बरनाबासके ओइसबसङे बहौत कहा-कही आ झगरा भेलाके बाद ओतेका बिस्बासीसब यि सबालके खातिर सरसल्लाह करैले पावल आ बरनाबास आ औरो लोकसबके परेरितसब आ मन्डलीके रेखदेख करैबलासब लग यरुसलेम पठाइले निरनय करल्कै।
तब ओते जोर-तोरसे होहल्ला भेलै आ फरिसी दलके कुछ धरमगुरुसब खरा भ्याके सदुकीसबके घोर बिरोध करैत कहल्कै, “हमसब यि लोकमे कोनो दोस नै देखलियै। यदी अइ लोकसे आत्मा या स्वरगदुते बोल्तै त कथी भेलै!”
महज स्वरगसे आबैबला बुइध त सबसे पहिने असल हैछै, तकरबाद उ सान्ती दैबला, नम्र, बिचारसिल आ दयासे भरल रहैछै आ असल कामसे परकट हैछै। अइमे पक्छपात करैबला बात आ छलकपट करैबला बात नै रहैछै।
तुसब इक्छा त करैचिही, महज नै पाबैचिही। तुसब हतिया आ लालच करैचिही महज पाबे नै सकैचिही। तुसब लराइ आ झगरा करैचिही, महज तोरासबसङे नै रहैछौ, कथिलेकी तुसब परमेस्वरसे नै माङैचिही।