20 केहनो धनिक लोकके घरमे सोना-चानीके भरिया-बरतन मातरे नै रहैछै, ओते काठ आ माटीके भरिया-बरतन सेहो रहैछै। कोनो बिसेस कामके लेल चलाबैछै त कोनो सधारन कामके लेल चलाबैछै।
येसु कहल्कै, “हमरा भुत नै लागल छै। हम आपन पिताके आदर करैचियै आ तुसब हमरा अनादर करैचिही।
हे लोकसब, परमेस्वरके मुहे-मुहे लागैबला तुसब के चिही? कि माटिके बरतन बनाबैबलाके “हमरा कथिले एहेन बनेलियै” कहैछै से?
कथिलेत सङे-सङे हमसब परमेस्वरके काम करैबला चियै आ तुसब परमेस्वरके खेत आ घर चिही।
यि महान सक्ती हमरासबके नै महज परमेस्वरके चियै कैहके परस्ट करैके लेल यि धन माटीके बरतनमे अरथात अपनासबमे छै।
तु गैर-यहुदीसब सेहो ओकरमे औरो जनसबसङे उ घर बनैचिही, जते परमेस्वरके आत्मा बास करैछै।
यदी हमरा आबैमे देर हेतै त, परमेस्वरके परिबारमे भेल लोकसबके चाल-चलन केहेन रहैके चाही से जाइनले। यि परिबार त जिबित परमेस्वरके मन्डली अरथात सतके खम्हा आ जग चियै।
तुसब जिबित पथल चिही। परमेस्वर तोरासबके परयोग कैरके आपन आत्मिक मन्दिर बन्यारहलछौ, ताकी तुसब पबितर पुजारी भ्याके येसु खिरिस्टसे परमेस्वरके मनपरैबला आत्मिक बलिदान चरहाइले सकबिही।