13 हमसब बिस्बास योग्य नै चियै तैयो उ बिस्बास योग्य रहतै, कथिलेत उ आपनेके इन्कार नै करे सक्तै।
स्वरग आ पिरथिबी बित जेतै, महज हमर बचन रहबे करतै।
महज कतहेक गोरा बिस्बास योग्य नै भेलै त, कि भेलै? उसब बिस्बास योग्य नै भेलै त कि परमेस्वर आपन बचन पुरा नै करतै से?
इजराएलीसब खिरिस्टमे बिस्बास नै करल्कै कहतेमे, परमेस्वर ओकरासबसङे करल परतिग्या बिफल भेलै से बात नै चियै। कथिलेत इजराएलके कुलमे जलमल सब लोकसब त परमेस्वरके लोकसब नै चियै।
परमेस्वर बिस्बास योग्य छै। उ आपन बेटा, अपनासबके परभु येसु खिरिस्टसङे सङगतीमे रहैके लेल तोरासबके बोलाइल्कौ।
तोरासबके बोलाइबला परमेस्वर यि सब करतै, कथिलेकी उ बिस्बास योग्य छै।
महज परभु बिस्बास योग्य छै आ उ तोरासबके बौकार बनेतौ आ सैतानसे बचेतौ।
उ बिस्बास आ ग्यान अनन्त जिबन पाबैके आसमे अरल छै, यि जिबन कहियो झुठ नै बोलैबला परमेस्वर सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अपनासबके दैले परतिग्या करने छेलै।
परमेस्वरके करल परतिग्या आ खेल किरिया यि दुनुबात कहियो नै बदल्तै, कथिलेकी परमेस्वर झुठ नै बोलैछै। अहैलेल ओकरमे सरन लैबलासब अपनासबके अगा राखल आसा पाबैले बरका हौसला पाबनेचियै।