6 तै खातिर हम तोरा याद कराइले चाहैचियौ कि, हम तोहर उपर हाथ राखै बखत जे बरदान परमेस्वर तोरा देने छेलौ, तकर पुरा सदउपयोग कर।
तब उ जाइसे पहिने दसोटा नोकरसबके बोल्याके एक एक टका सबके देल्कै आ कहल्कै, ‘जाबेतक हम घुइमके नै एबौ ताबे तक अहै टकासे बेपार करिहे।’
जब पावल उसबके उपरमे आपन हाथ राखल्कै तब उसब उपर पबितर आत्मा एलै। तब उसब दोसर भसामे बोले लाग्लै आ अगमबानी करे लाग्लै।
तकरबाद उसब ओइलोकसबके परेरितसबके सामने आनल्कै आ परेरितसब ओकरासबके उपर आपन-आपन हाथ राइखके परथना करल्कै।
पबितर आत्माके कामके नै रोक।
जे बरदान अगुवासब आपन हाथ तोहर उपरमे राइखके अगमबानीसे पाबने छेल्ही, ओकरा पुरा सदउपयोग कर।
यदी तु यि सिक्छा औरो बिस्बासी जनसबके सिखाइबिही त, तु पालन करैत एल सिदान्त आ बिस्बासके बचनमे बौकार भ्याके येसु खिरिस्टके असल सेबक हेब्ही।
तिमोथी, यि बात तु ओइसबके बात-बातमे झगरा नै कर कैहके परमेस्वरके सामनेमे सम्झा। झगरासे ककरो भलाइ नै हैछै, बरु सुनैबला लोकसबके बिगारैछै।
परमेस्वरके बचन सुना। बेलोमे कुबेलोमे सुसमाचार सुनाइले नै छोर। पुरा-पुरी धिरजसे लोकसबके सम्झा, चेताबनी दहै आ असल सिक्छासे हिम्मत बरहा।
बहुत किसिमके बप्तिस्माके बारेमे सिक्छा, हाथ राखैबला काम, मरलसे जियैबला बात आ कहियो खतम नै हैबला दन्डके बारेमे तोरासबके सिखाइते नै रहेपरतौ।
तुसब यि सब बात जान्बे करैचिही आ तोरासबके सिख्याल सत बातमे अस्थिर चिही तैयो हम यि सब बात तोरासबके हरदम याद दिलाइते रहबौ।
हे हमर पिरियसब, यि तोरासबके लेल लिखल दोसर चिठी चियौ। यि दुनु चिठीमे कतहेक बात सम्झना कराके तोरासबके ठिकसे बिचार करैके लेल उत्साहित करैले कोसिस करनेचियौ।
तोरासबके यि सब बात थाहे छौ तैयो किछ बात याद कराइले चाहैचियौ कि परमपरभु आपन लोकसबके मिसर देससे छुटकरा कैरके आनल्कै। महज ओइसबमेसे बिस्बास नै करैबला सबके पाछे बिनास कैरदेल्कै।