4 ओकर महिमा आ भलाइके कारन उ अपनासबके अनमोल आ महान परतिग्यासब उ अपनासबके देनेछै, ताकी अइ सन्सारके अधलाह इक्छासे आबैबला बेकार बातसे बाँइचके इस्वरीय स्वभावमे सहभागी हो।
उसब इजराएली चियै आ परमेस्वर ओकरासबके आपन बेटा-बेटीसब बनेल्कै। उ आपन महिमा ओकरासबके परकट करल्कै। ओकरासबसङे करार बानहल्कै, बेबस्था देल्कै आ आराधना करैले सिखेल्कै। उसब ओकर परतिग्या पाबल्कै।
कथिलेकी परमेस्वरके सब परतिग्या येसु खिरिस्टमे “हँ” कैहके पुरा हैछै, अहैलेल ओकरसे परमेस्वरके महिमाके लेल हमसब “आमेन” कहैचियै।
हमरासबके नै झापले चेहरासे परभुके महिमाके झलकाइचियै। परभु आत्मा चियै आ उ अपनासबके औरो आपनलखा महिमामय रुपमे परिबरतन कैरतेजेतै।
ओकरासबसे निकैलके या आ ओइसबसे अलग रह! कोनो असुध चिज नै छु, तब हम तोरासबके सुइकार करबौ कैहके परमपरभु कहैछै।
परमेस्वर, अबराहम आ ओकर सन्तानसे करल परतिग्या अहिनङे छेलै। पबितर धरमसास्तरमे द्याल उ परतिग्या “बहुतो सन्तानसबके” लेल नै, महज “एक गोरेके” लेल मातरे छेलै आ उ दोसर कोइने चियै, उ त केबल खिरिस्ट चियै।
जे आपन पाप स्वभाबके लेल रोपैछै, उ आपन पाप स्वभाबसे सर्बनासके कटनी करतै। महज जे आत्माके लेल रोपैछै, उ आत्मासे अनन्त जिबनके कटनी करतै।
अपनासब बिस्बास आ परमेस्वरके बेटाके ग्यानमे एक भेल आ खिरिस्टके पुर्नताके नाप अनुसार पकिया लोक बनल उ चाहैछै।
आब त तुसब लया स्वभाब धारन करनेचिही। तुसब परमेस्वरके पुरा ग्यान पाबैले सक कैहके सिरिस्टीकरता आपन स्वरुपमे तोरासबके लया बन्यारहलछौ।
अपनासबके सारिरीक बाबु त ओकरासबके असल लागल अनुसार अपनासबके सुधार करैके लेल कुछदिन सजाय दैछै, महज अपनासबके परमेस्वर पिता अपनासबके भलाइ हेबे आ अपनासब ओकरे जखा पबितर हैले सकै कैहके सुधार करैके लेल सजाय दैछै।
ओहै कारनसे परमेस्वरके परतिग्या करल सबदिन रहैबला अनन्त उतराधिकारी पाबे कैहके उ बोलेल्हासबके लेल खिरिस्ट लया करारके मिलाप कराबैबला चियै, कथिलेत पहिन्का करारके समयमे लोकसबके करल पापसे छुटकरा दैले उ मरलै।
परमेस्वर पिताके मनपरैबला साँचोके धरम-करम एह्या चियै दुखमे परल बिधुवा आ टुगर-टापरसबके देखभाल करनाइ आ सन्सारके अधलाह बातसे अलग रहनाइ चियै।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके दास आ परेरितके तरफसे अपनासबके परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके धारमिकतासे अपनेसब जखा अनमोल बिस्बास पाबैबलासबके लेल यि चिठी लिखरहल चियै।
महज हमसब त परमेस्वरके परतिग्या करल लया स्वरग आ लया पिरथिबीके लेल असियाल चियै। जते धरमी लोकसब मातरे रहैछै।
कोइ कोइ यि बिचार करैछै कि परमपरभु आपन करल परतिग्या पुरा करैले देर करैछै, महज कोइ नास नै हेबे बरु सबलोक आपन-आपन पापसे पस्चाताप करे कैहके उ धिरजसे असियालछै।
उ अपनासबके एकटा परतिग्या करने छै, उ परतिग्या अनन्त जिबन चियै।
पिरिय सङिसब, अखुन अपनासब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। महज पाछे कथी हेबै से अखुन तलिक जानकारी नै देनेछै। खिरिस्ट एलाकेबाद अपनोसब ओकरे जखा हेबै कथिलेत उ जैहनङ छै, अपनासब तैहनङे देख्बै।