3 यदी कोइ झुठ सिदान्त सिखाबैछै आ आपन परभु येसु खिरिस्टके देल साँचो सिक्छा आ परमेस्वरके भक्ति हैबला सिक्छामे सहमत नै हेतै त,
उसब येसुके कहल्कै, “यि त रोमी सरकारके चियै।” तब येसु कहल्कै, “तैखातिर जे सरकार के चियै से सरकारके दहै आ जे परमेस्वरके चियै से परमेस्वरके दहै।”
हम तोरासबके आग्या करल सब बात मानैले ओकरासबके सिखा। देख, हम युगके अन्ततक सबदिन तोरासबके सङे चियौ।”
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, तोरासबके सिख्याल सिक्छाके बिपरित सिखाइबला लोकसबसे होसियार रह। यि तोरासबके फुट करेतौ आ बिस्बाससे बहकेतौ। ओहन लोकसबसे दुरे रह।
अहैलेल यि सिक्छाके इन्कार करैबला लोकके नै, महज परमेस्वरके इन्कार करैछै, जे परमेस्वर आपन पबितर आत्मा तोरासबके देने छौ।
अतबे नै बेबस्था त बेबिचार करैबलासबके लेल, समलिङगी सबके लेल, अपहरन करैबलासबके लेल, झुठ बोलैबला, झुठ किरिया खाइबलासबके लेल आ सत सिदान्तके बिरोधमे हैबला औरो बहुतो कामसबके बिरोधमे बनलछै।
हम माकेडोनिया परदेस जाइबखत तोरा एफिससमे रह कैहके कहने छेलियौ। आब फेनो कहैचियौ कि ओतै रह आ झुठ सिक्छा सिखाइबलासबके ओहेन नै सिखा कैहके करा आग्या दहै।
महज कतहेक गोरा त यि बातके छोइरके बेरथके बातसबमे ओझराल छै।
खिरिस्ट येसुमे भेल बिस्बास आ परेममे अस्थिर रैहके हमरसे सिखल्हा असल सिक्छाके तु नमुना बैनके लोकसबके सिखा।
कथिलेत आब एहेन समय आइबरहल छै कि लोकसब सहि सिक्छाके बात सुनैले बरदास नै करतै। बरु आपने इक्छाके पछा भाग्तै। उसब आपन इक्छासे ओहै गुरुसबके ढेरियाइतै जे ओइसबके सुनैले मज्जा लागैबला बातसब सुनाइतै।
हम पावल परमेस्वरके सेबक आ येसु खिरिस्टके परेरित यि चिठी लिखरहलचियै। परमेस्वरके चुनल लोकसबके बिस्बासमे बलगर बनाइले आ ओइसबके सतके ग्यान दैले परमेस्वर हमरा पठेल्कै। उ ग्यान परमेस्वरके इक्छा अनुसार जिबन जियैले सहायता करैछै।
ओकरा सिख्याल बिस्बासयोग्य बचनमे अस्थिर रहेपरतै ताकि औरोकेभी यि सतके बचनसे उत्साह देबेसकेबला हेबे आ यि सतके बचनसे बिरोध करैबलासबके सेहो गल्ती देखाइबला हेबे।
यि बातसब साँचोके चियै। हम चाहैचियै कि अइ बातसबमे जोर दिय, ताकि जे परमेस्वरमे बिस्बास करने छै उसब असल काममे धियान देबे। कथिलेकी यि सब लोकसबके लेल असल आ फाइदाके बात चियै।