16 उ अजर-अमर रहैबला आ उ एहेन इजोतमे बास करैछै जकर लगमे कोइ नै जाइले सकैछै। ओकरा कोइयो नै देखने छै आ नै देखे सक्तै। सब आदर आ सब सक्ति, सबदिन ओकरे चियै। आमेन।
परमेस्वरके कोइ नै कहियो देखनेछै। महज पिताके लगमे रहैबला ओकर एकलौता बेटा ओकरा हमरासबलग परगट करने छै।
येसु ओकरा जबाब देल्कै, “फिलिप! अतहेक दिनसे त हम तोरेसबसङे चियौ, तैयो तु हमरा नै चिन्हैचिही? जे हमरा देख्ने छै, उ पिताके देख्ने छै। तब तु कनङके कहैचिही, कि ‘हमरासबके पिताके देख्यादिय?’
परमेस्वर पिताके कोइ नै देख्ने छै। जे पितासे एलछै, उ मातरे पिताके देख्ने छै।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, अबराहमके जलमसे पहिनेसे हम चियै।”
मन्डलीमे आ येसु खिरिस्टमे पुस्तो-पुस्तातक सबदिन ओकरे महिमा हेबे। आमेन।
आब अपनासबके परमेस्वर पिताके जुगो-जुग तलिक महिमा हेबे! आमेन।
खिरिस्ट त नै देखैबला परमेस्वरके देखैबला रुप चियै। उ सारा सिरिस्टीके उपर अधिकार करैछै।
जुगो-जुगके रजा, अमर, देखा नै परैबला एक मातरे परमेस्वरके आदर-भाव आ महिमा सबदिन हैते रहे। आमेन।
येसु खिरिस्ट काइल, आजु आ सबदिन एकसमान रहैछै।
सब असल आ सब सिध दान स्वरगसे आबैछै। यि बरदान इजोतके पितासे आबैछै। उ छाह जखा कहियो नै बदलैछै।
जे बात हमसब परमेस्वरके बेटा येसुसे सुनलियै से बात एह्या चियै कि, परमेस्वर इजोत चियै आ ओकरमे एकोरती अन्हार नै छै।
महज परमेस्वर जहिनङ इजोतमे रहैछै तहिनङ हमसब इजोतमे चलैचियै त अपनासबके संगती एक दोसरसङे हैछै आ ओकर बेटा येसुके लहुसे अपनासबके सब पापसे सुध करैछै।
परमेस्वरके कोइने कहियो देख्नेछै। महज अपनासब एक-दोसरके परेम करबिही त परमेस्वर अपनासबमे बास करतै आ ओकर परेम अपनासबमे पुरा हेतै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा, अपनासबके मुक्ती दैबला एक मातरे परमेस्वरके सब आदर, महिमा, सक्ती आ अधिकार जुगो-जुग तलिक हैतरहे। आमेन।
उ अपनासबके राज अरथात आपन परमेस्वर आ पिताके सेबा करैके लेल पुजारी बनाइनेछै। येसु खिरिस्टके महिमा आ सक्ती सबदिन रहे। आमेन!
सरबसक्तिमान परभु परमेस्वर कहैछै, “सुरु आ अन्त हम्ही चियै।” हम उहे चियै, जे छै, जे छेलै आ जे एतै।
तब हम सिंहासनसे एहेन कहल एकटा बरका अबाज सुनलियै, “देख, परमेस्वरके बास लोकसबसङे भेल छै। परमेस्वर ओइसबसङे बास करतै आ उसब ओकर लोकसब हेतै। परमेस्वर आपने ओइसबके परमेस्वर भ्याके ओकरासबसङे रहतै।
ओते कहियो रात नै हेतै, ओते दिया या रौदके जरुरत नै परतै कथिलेत परभु परमेस्वरे ओइसबके लेल इजोत हेतै आ उसब सबदिन राज करतै।
“हे हमर परभु परमेस्वर, अहाँ सम्मान, आदरके योग्य चियै, कथिलेत अहि सब चिजके सिरिस्टी करनेचियै आ अहाँ आपने इक्छा बमोजिम सिरिस्टी करलियै आ उ असतित्वमे एलै।”
“आमेन! परसन्सा, महिमा ग्यान-बुइध, धन्यबाद, आदर अधिकार आ सक्ती जुगो-जुगतक अपनासबके परमेस्वरके हेबे। आमेन!”