9 साइठ बरिस पुगल आ घरबला परती बिस्बास योग्य रहल घरबालीके मातरे मन्डलीसे सहायता पाबैबलाके सुचिमे नाम लिख।
मन्डलीके सेबा करैबला डिकनके एकेटा घरबाली हैकेचाही। उ आपन बेटा-बेटी आ घरपरिबारके निकसे चलाइबला हैकेचाही।
तै खातिर मन्डलीके एकटा अगुवा हैकेलेल यि जरुरी छै जे उ दोस बिनाके हैकेचाही, ओकरा एकेटा घरबाली हैकेचाही, उ धिरजी, सम्झदार, भलादमी, मेजमानसबके मान-दान आ लोकसबके असलसे सिखाइबला हैकेचाही।
महज जबान उमरके मसोमातनीसबके नाम मसोमात सुचिमे नै लिख, कथिलेकी जब ओइसबके सारिरीक इक्छाके कारनसे खिरिस्टसे दुर ल्याजेतै, तै दुवारे उसब बियाह करैले ताक्तै।
अहैलेल हम जबान मसोमातनीसबके फेनसे बियाह कैरके बेटा-बेटी जलमाबे आ घर गिरहस्ती चलाबे कैहके सल्लाह दैचियै। ओहेन करलासे डाह करैबलासबके निन्दा करैके मौका नै भेटतै।
यदी कोनो खिरिस्टमे बिस्बास करैबला जनिके घरमे मसोमातनीसब छै त, उ ओइसबके मदत करे। ओहेन करलासे ओकरसबके भार मन्डलीके नै परतै आ जे साँचोके मसोमातनीसब छै ओइसबके मन्डली मदत करेसक्तै।