2 एहेन सिक्छा झुठ बोलैबला कपटी लोकसबसे आबैछै। ओइसबके बुइध धिपल लोहासे दागल रहैछै।
कथिलेत झुठा खिरिस्ट आ झुठा अगमबक्तासब देखा परतौ। सम्भब त अचमके कामसब आ चेन्हासब देख्याके परमेस्वरके छानल लोकसबके बहकेतौ।
“झुठा अगमबक्तासबसे होसियार रह, जे तोरासबके बिचमे भेंराके भेसमे आबैछौ, महज भितरसे उसब भुख्याल नरहिया जखा हैछै।
अहैसबके बिचसे झुठ बात सिखाइबला लोकसब निकल्तौ, जे बिस्बासीसबके बहक्याके आपन दिसन तान्तौ।
उसब परमेस्वरके सत ग्यानके बेकाम ठानल्कै। ओहैसे परमेस्वर ओकरासबके ओहैसबके कुबिचारमे छोइरदेल्कै।
कथिलेत एहेन लोकसब अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नै महज आपन पेटके लेल सेबा करैछै। उसब निक-निक बात बन्याके सिधासाधा लोकसबके ठगैछै।
तब अपनासब चलाक लोकसबके झुठा सिक्छाके हबासे जने ल्याजेतौ तने जाइबला छोट धिया-पुता जखा नै हो। ओइसबके बन्याल जाल झेलसे दोसरके बहकाइछै।
ओइसबके लाज पैचगेल छै आ जाइन-बुइझके हर परकारके असुध काम करैके लालचमे जिबन लगाइने छै।
उसब भक्ती करैबला रुप धारन त करैछै महज भक्तीके भितरी सक्तीके सुइकार नै करैछै। एहेन लोकसबसे दुरे रह।
उसब अचमके चेन्हा देखाइबला आत्मासब चियै। उसब पिरथिबीके जम्मे रजासब लग जाइछै आ सरबसक्तिमान परमेस्वरके महान दिनमे जुध करैले ओकरासबके जमा करैछै।