12 मन्डलीके सेबा करैबला डिकनके एकेटा घरबाली हैकेचाही। उ आपन बेटा-बेटी आ घरपरिबारके निकसे चलाइबला हैकेचाही।
हम पावल आ तिमोथी, येसु खिरिस्टके दास, फिलिप्पी सहरमे रहैबला परमेस्वरके पबितर जनसब, मन्डलीके रेख-देख करैबलासब आ डिकनसबके यि चिठी लिखैचियै।
तै खातिर मन्डलीके एकटा अगुवा हैकेलेल यि जरुरी छै जे उ दोस बिनाके हैकेचाही, ओकरा एकेटा घरबाली हैकेचाही, उ धिरजी, सम्झदार, भलादमी, मेजमानसबके मान-दान आ लोकसबके असलसे सिखाइबला हैकेचाही।
तहिनङे मन्डलीमे सेबा करैबला डिकन निक चालचलनके लोक हैकेचाही। उसब साँच-साँच बोलैबला, दाख मध नै पियैबला आ पैसा-कौरीके लोभ-लालच नै करैबला हैकेचाही।