तब बचन लोक बैनके अपनासबके बिचमे बास करल्कै आ अपनासब ओकर महिमा देखलियै, जे महिमा परमेस्वरसे आबैबला एक मातरे बेटामे छेलै। उ आपनौरके पुरा रुपसे अनुगरह करैछै आ सत बात मातरे बोलैछै।
तैखातिर मुरुतिके चरह्याल खाइले मिलैछै कि नै मिलैछै तैके बारेमे हमसब जानैचियै कि, सन्सारके मुरती किछो नै चियै आ एक मातरे परमेस्वर बाहेक औरो कोइ नै छै।
हे हमर दुलरुवा धियापुतासब, तुसब पाप नै करिहे कैहके यि बात तोरासबके खातिर लिखैचियौ। महज कोइ पाप करियोलेतै त अपनासबके दिसनसे पितासङे बिन्ती करैबला एक गोरा धरमी येसु खिरिस्ट छै।