18 हमर बेटा तिमोथी, तोहर बारेमे पहिने करल अगमबानी बमौजी हम तोरा यि कहैचियौ कि तु सब बात पालन कर ताकि निडर भ्याके उतम लराइ लरैले सकबिही।
पावल डरबी सहर हैत लुस्तरा सहरमे पुग्लै। लुस्तरामे तिमोथी नामके परभुमे बिस्बास करैबला एकटा चेला रहै। उ बिस्बासी यहुदी जनिके बेटा रहै महज ओकर बाप गिरिक जातीके रहै।
अहैसे हम तोरासबलग तिमोथीके पठाबैचियै। उ परभुमे हमर पिरिय आ बिस्बासयोग्य बेटा चियै। हम सबठाम आ मन्डलीमे सिख्याल अनुसार खिरिस्ट येसुमे हमर जिबन केहन छेलै, से बात उ तोरासबके बतेतौ।
आपने खचरमे के सिपाहीके काम करैछै? के अङगुर खेती लग्याके ओकर फल खाइले नै पाबैछै? के गाइ-माल पाइलके ओकर दुध पियैले नै पाबैछै?
तोरासबके थाहे छौ, कि तिमोथीके बेबहार असल छै। जनङ बेटा आपन बाबुके साथ दैछै तहिनङे उ हमरसङे सुसमाचार परचारके काममे हमरा साथ देल्कै।
बिस्बासमे हमर साँचोके बेटा तिमोथीके चिठी लिखरहलचियै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती मिले।
हमर कहैके उदेस्य त यि चियै कि बिस्बासीसब एक दोसरके परेम करे, जे परेम सुध हिरदय, असल बिबेक आ साँचोके बिस्बाससे मातरे आबैछै।
जे बरदान अगुवासब आपन हाथ तोहर उपरमे राइखके अगमबानीसे पाबने छेल्ही, ओकरा पुरा सदउपयोग कर।
परमेस्वरके सिरिस्टी करल सब चिज एकदम असल छै। अपनासब परमेस्वरके धन्यबाद द्याके लैचियै त इन्कार करैबला कोनो चिज नै छै।
हौ तिमोथी, जे जिम्मा परमेस्वर तोरा देने छौ ओकरा निकसे देखभाल कर। परमेस्वरके अपमान हैबला मुरुख बातसबसे आ कतहेक लोक परमेस्वरके बिरोध करैबला बातके “ग्यान” कैहके मानने छै तै झुठ बातसबसे अलग रह।
हम आपन पिरिय बेटा तिमोथीके यि चिठी लिखैचियै। परमेस्वर पिता आ आपनसबके परभु येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती देबे।
हम उत्तम लराइ लरने चियै। हम आपन दौर पुरा करनेचियै आ आपन बिस्बासमे अटल चियै।
तितस, हमे तोरा यि चिठी लिखैचियौ। साँचोके तु हमर आपने बेटा जखा चिही कथिलेकी तोहर आ हमर बिस्बास एके चियौ। परमेस्वर पिता आ अपनासबके मुक्तीदैबला येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह आ सान्ती देबे।
ओनेसिमसके लेल तोरा बिन्ती करैचियौ। उ खिरिस्टमे हमर बेटा चियै, कथिलेकी हम जहलमे परल बखत ओकर आत्मिकी बाबु भेलचियै।