12 हमर काममे हमरा बल दैबला अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके हम धन्यबाद दैचियै, कथिलेकी हमरमे बिस्बास कैरके उ हमरा आपन सेबाके काममे छानल्कै।
तब उ ओइसबके कहल्कै, ‘तुसब हमर अङगुर बारीमे काम करैले जो, जे उचित हेतै से हम तोरासबके देबौ।’
ताकि सबकोइ बेटाके आदर करे, जनङ उसब पिताके आदर करैछै। जे कोइ बेटाके आदर नै करैछै, उ लोक बेटाके पठाइबला पितोके आदर नै करैछै।
जब उ आ ओकर घरके सबलोक बप्तिस्मा लेल्कै आ हमरासबके आगरह करल्कै, “यदी अहाँसब साँचोके हमरा परभुके बिस्बासी कहैचियै त हमर घरमे आइबके रहु।” आ उ हमरासबके जबरजस्ती करेलाग्लै ताकि हमसब ओकर घरमे जाइ।
महज परभु ओकरा कहल्कै, “जो, कथिलेकी साउल गैर-यहुदीसब, रजासब आ इजराएलीसबके सामने हमर नामके परचार करैबला उ हमर छानल लोक चियै,
महज साउलके परचार सक्तिसाली हैतगेलै आ येसुवे खिरिस्ट चियै से परमान द्याके दमस्कसमे रहैबला यहुदीसबके मुह बन्द कैरदेल्कै।
महज हम जे चियै, उ परमेस्वरके अनुगरहसे चियै आ हमर उपर करल ओकर अनुगरह बेकार नै भेलै। हम औरो परेरितसबसे बेसि मेहनत करलियै। बास्तममे काम करैबला हम नै, महज हमरसाथमे भेल परमेस्वरके अनुगरहसे काम करनेचियै।
अपोल्लोस के चियै? आ पावल के चियै? हमसब त परमेस्वरके खट्याल सेबकसब मातरे चियै, जकरसे तुसब बिस्बास करलिही। हमसब त परभुके खट्याल काम मातरे करैचियै।
आब कुमारीसबके बारेमे हमरसङे परभुके आग्या किछो नै छौ। महज हम परभुके अनुगरहसे एक बिस्बासयोग्य लोक भेलाके कारन तोरासबके यि सल्लाह दैचियौ।
परमेस्वर दयालु भेलाके कारनसे यि सेबाके काम हमरासबके देनेछै। ओहै खातिर हमसब हरेस नै खाइचियै।
कथिलेत बिस्बाससे येसु खिरिस्टमे तुसब परमेस्वरके सन्तान भेलचिही।
आबसे नै त यहुदी, नै त गैर-यहुदी, नै दास, नै स्वतन्तर, नै पुरुख, नै जनी छै, कथिलेत तुसब खिरिस्ट येसुमे सबकोइ एक चियै।
सबकोइ परमेस्वर पिताके महिमाके लेल येसु खिरिस्टके परभु कैहके सुइकार करेपरतै।
खिरिस्टके देल सक्तीसे हम सबचिज करैले सकैचियै।
परमेस्वर हमरा तोरासबके भलाइके खातिर सेबक बनाइनेछै आ ओकर बचन पुरा-पुरी परचार करैके जिम्मा देनेछै।
हमरा मुक्ती दैबला परमेस्वर आ आसा दैबला येसु खिरिस्टके आग्या अनुसार नियुक्त भेल हम पावल, येसु खिरिस्टके परेरित यि चिठी
सत सिदान्त यि चियै, जे परमधन्य परमेस्वरके महिमीत सुसमाचार अनुसार छै जकरा सुनाबैके जिम्मा हमरा देलगेल छै।
बिस्बासमे हमर साँचोके बेटा तिमोथीके चिठी लिखरहलचियै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती मिले।
सब चिजके जिबन दैबला परमेस्वर आ पन्तियस पिलातसके अगा असल साक्छी दैबला येसु खिरिस्टके अगा, हम तोरा यि आग्या दैचियौ,
बहौतरा साक्छीसबके अगा जे बात तु हमर मुहसे सुनने चिही, से बात औरो लोकके सिखाइले सकैबला बिस्बास योग्य लोकसबके सोइप दहै।
तैयो परभु हमरसङे रैहके हमरा सक्ती देल्कै। तहैले हम गैर-यहुदी लोकसबके परमेस्वरके सुसमाचार निकसे सुनाबे सकलियै। अहिनङे परभु हमरा सिंहके मुहसे बचेल्कै।
तितस, हमे तोरा यि चिठी लिखैचियौ। साँचोके तु हमर आपने बेटा जखा चिही कथिलेकी तोहर आ हमर बिस्बास एके चियौ। परमेस्वर पिता आ अपनासबके मुक्तीदैबला येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह आ सान्ती देबे।
परेमके खातिर हम तोरा बिन्ती करैचियौ। हम बुढ पावल आ अखैन खिरिस्टके लेल जहलमे परल एक कैदी,