महज हम आपन जिबनके कोनो मोलके नै मानैचियै। अतबेहेक मातर चाहैचियै कि, परमेस्वर लोकसबके अनुगरह देने छै से सुसमाचार करैले हम अन्ततक दौरबरहा करी आ परभु येसुसे मिलल सेबाके काम पुरा करेसकी।
महज यि हकसबमेसे हम कोनो परयोग नै करनेचियै आ तोरासबके हमरा कुछ दैले परतौ कैहके हम नै लिखने चियौ। कथिलेत हमर गर्ब करैबला बातसे कोइ हमरा दुर कराबैछै त बरु हमरा मरनाइ असल चियै।
तोरासबसङे रहैतकाल जब हमरा घटि-कमी भेलै, तब हम ककरो बोझ नै बनलियै, कथिलेकी माकेडोनिया परदेससे एल भाइसब हमर घटि-कमी पुरा करल्कै। हम तोरासबके बोझ पैहनियो नै रहलियौ आ पाछुवो नै हेबौ।