6 हमसब लोकसबसे आदर नै खोजलियै, नै त तोरासबसे आ नै आन गोरासे। हमसब खिरिस्टके परेरित भेलाके कारन तुसब हमरासबके आदर कर कैहके कहेसक्तीयौ।
कथिलेकी उसब परमेस्वरके परसन्सासे लोकके परसन्सा बेसी मन पराइछेलै।
“हम लोकसबसे परसन्सा नै चाहैचियै,
तुसब एक-दोसरसे आदर खोजैचिही, महज परमेस्वरसे ल्याल आदरके कोनो वस्ते नै करैचिही त, तुसब कनङके बिस्बास करे सकबिही?
जे कोइ आपन मनसे बोलैछै, उ आपने महिमा ताकैछै, महज जे अपना पठाइबलाके आदर खोजैछै, उ सत लोक चियै आ ओइमे कोनो कपट नै रहैछै।
तहिनङे पुरुख जनिके लेल नै, महज जनि परुखके लेल सिरिस्टी भेलछै।
हम तोरासबसे दुर भेल बखत यि लिखैचियौ, ताकि तोरासबलग एबौ त परभुके देल अधिकारके करासाथ परयोग करैले नै परे। यि अधिकार तोरासबके बिगारके लेल नै महज सुधारैके लेल हमरा देनेछै।
हमसब आपने बारेमे परचार नै करैचियै, महज येसुके खातिर हमसब तोरासबके सेबक भ्याके, येसु खिरिस्टे परभु चियै कैहके परचार करैचियै।
कि हम लोकसबके खुसी करैले चाहैचियै या परमेस्वरके? कि हम लोकसबके खुसी करैले चाहैचियै? यदि हम लोकसबके खुसी करने रहतियै त हम खिरिस्टके सेबक नै हेतियै।
हमसबके एक-दोसरसङे घमन्ड, रिस आ डाह नै करैके चाही।
कथिलेत खतना करैबलासब आपने बेबस्था पालन नै करैछै। उसब तोरासबके खतना कराबैले चाहैछौ, जैसे तोरासबके देहमे यी बेबस्थाके पालन कराके घमन्ड करैले सके।
भाइसब, हमरासबके कस्ट आ मेहनत तोरासबके थाहे छौ। तुसब परमेस्वरके सुसमाचार सुनाइबखत ककरो उपर भार नै परौक कैहके हमसब आपन खर्च-बर्च करैले दिन-रात खैटके काम करलियै।
असलसे मन्डलीके देख-भाल करैबला अगुवासबके दोबर आदरके योग्य हैछै आ बिसेस कैरके जे अगुवासब बचन परचार आ सिखाबैबला काममे मेहनत करैछै।