1 खिरिस्ट आपन देहमे दुख भोगल्कै ओहिनङे तुहुसब सेहो ओकरे जखा सोच राख, कथिलेकी जे लोक देहमे दुख भोगनेछै, से पापसे दुर रहैछै।
तब उ सुखलहा हाथ भेल्हा लोकके कहल्कै, “अते या।”
तहिनङ कैरके तुहुसब आपन-आपन पापके खातिर मरल महज येसु खिरिस्टसङे परमेस्वरके लेल जिबित भेल समझ।
अहँ, ओनङ करनाइ ठिक नै छै। पापेके खातिर अपनासब मरल चियै, तब कनङके पाप करैत जियैले सक्बै?
कथिलेकी मरल लोक पापके सक्तीसे स्वतन्तर हैछै।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
महज उसब, जे खिरिस्ट येसुके चियै, उसब आपन पाप स्वभाबके इक्छा आ ललसा कुरूसमे काटी ठोइकके मारनेछै।
अहै खातिर आब परमेस्वरके सब हाथ-हथियारसब धारन कर। तब तोरौरके खराब दिनमे सैतानके सक्तिसबके रोकैले सकबिही आ अन्त तलिक लराइ कैरके ठारभेल रहेसकबिही।
तोरासबमे एहेन मन हेबे, जे खिरिस्ट येसुमे छेलै।
पापी लोकसब ओकर बिरोधमे जे बातसब लाबल्कै ओइबातसबके केनङके सहल्कै से बिचार कर आ तुसब नै थाक आ निरास नै हो।
जहिनङ परमेस्वर आपन काम पुरा कैरके बिसराम लेल्कै तहिनङ बिसराम पाबैबला ठाममे ढुकैबलासब सेहो आपन-आपन कामसे बिसराम पाबतै।
कथिलेकी परमेस्वर तोरासबके यह्या कामके लेल चुनल्कौ, खिरिस्ट तोरासबके लेल दुख भोगल्कौ आ उ एकटा उदाहरन बन्लै। आबसे तुसब ओकर देख्याल बाटमे चलेपरतौ।
कथिलेकी अपनासबके परमेस्वरमे आनैके लेल खिरिस्ट धरमी भ्याके सेहो अधरमीसबके पापके लेल एकबेर सबदिनके लेल मरलै। उ देहमे मरलै महज परमेस्वर ओकरा आत्माके सक्तीसे जिबित करल्कै।