9 खराबीके बदला खराबी या अपमानके बदला अपमान नै कर। बरु खराबीके बदला आसिस दहै, कथिलेकी यह्या करैके लेल परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ आ तुहुसब आसिस पाबबिही।
जे कोइ हमर खातिर आपन घरदुवार, भाइ-बहिन, माँ-बाबु, बेटा-बेटी आ जगहा-जमिन छोरैछै, उ सय गुना पाबतै आ अनन्त जिबनके हकदार हेतै।
तकरबाद रजा आपन देहना कात ठारभेल लोकसबके कहतै, ‘हे हमर पितासे आसिरबाद पाबल लोकसब! ओइ राजके भोगबिलास करु, जकरा सन्सारके उतपतीएसे तोरासबके लेल तैयार करने छै।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, दुस्ट लोकके कुछो नै कर। कोइ तोहर देहना गालमे थपराइतौ त, ओकर सामने दोसरो गाल थैप दहै।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, आपन दुस्मनोसबसे परेम कर आ तोरासबके सताबैबलासबके खातिर परथना कर,
जब येसु रस्तामे जाइछेलै तब एकटा लोक दौरके ओकर अगा एलै आ ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “हे असल गुरु जी, अनन्त जिबन पाबैले हमरा कथी करेपरतै?”
एक दिन एकटा धरमगुरु आइबके येसुके फसाइले उपाय लगाइत कहल्कै, “गुरु जी अनन्त जिबन पाबैके लेल हमरा कथी करेपरतै?”
कोनो एक यहुदी सासक येसुके पुछल्कै, “हे असल गुरु जी, अनन्त जिबन पाबैले हमरा कथी करेपरतै?”
तोरासबके सताबैबलासबके सराप नै महज आसिरबाद दहै।
तुसब ककरो खराबके बदला खराब नै कर। जे चिज सबलोकके नजरमे आदरनिय छै, तैमे धियान दहै।
अपनासबके थाहछै कि, परमेस्वरके परेम करैबला आ ओकर उदेस्य अनुसार बोल्याल लोकसबके लेल सब बातमे परमेस्वर भलाइ करैछै।
जकरा जकरा परमेस्वर पहिनेसे चुनल्कै, उ ओकरासबके बोलेबो करल्कै। जकरा बोलेल्कै ओकरासबके आपन नजरमे धरमी ठहरेल्कै। जकरा जकरा धरमी ठहरेल्कै, ओकरासबके आपन महिमामे सहभागी सेहो करेल्कै।
अहैसे अबराहमके देल आसिस खिरिस्ट येसुसे औरो जातीके लोकसबके मिलैछै आ परमेस्वरके परतिग्या करल पबितर आत्मा अपनासब बिस्बाससे पाबैले सकैचियै।
महज एक-दोसरके दया देखा। जनङ परमेस्वर तोरासबके खिरिस्टमे छमा करल्कौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके छमा कर।
तुसब ककरो खराबीके बदला खराबी नै कर, महज एक-दोसरके आ सके जतहेक सब लोकसबके भलाइ करैके कोसिस कर।
तोरासबके थाहेछौ कि, पाछुसे उ आपन बाबुसे आसिरबाद लैले चाहल्कै महज लेबे नै सक्लै। कथिलेकी पस्चाताप करैके मौका नै पाबल्कै तैयो उ लोर बहाके आसिरबाद लैले चाहल्कै।
उ कहल्कै, “हम तोरा साँचेके आसिस देबौ आ तोहर सन्तान परसस्त कैरके बरहादेबौ।”
तुसब कुछ समय कस्ट भोग्लाके बाद, अनुगरहसे भरल अपनासबके परमेस्वर, जे तोरासबके खिरिस्टमे अनन्त महिमामे सहभागी हैकेलेल बोलाइनेछौ। उ आपनेसे तोरासबके फेनसे अस्थापना करतौ, सिध करतौ, बलगर बनाके अस्थिर कराइतौ।