10 कथिलेकी पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “जे खुसि जिबन बिताबैके चाहना करैछै आ असल दिन देखैले चाहना करैछै से आपन जिहसे खराब बोली बाजैसे आ आपन ठोरसे छली बात बाजैसे दुर राखे।
येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “असल कथी चियै, से तु हमरा कथिले पुछैचिही? असल त एकटा मातरे छै। यदी तु अनन्त जिबन पाबैले चाहैचिही त, परमेस्वरके आग्यासब पालन कर।”
कथिलेत जे आपन परान बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै, महज जे हमर लेल आपन परान गुमाइछै, उ आपन परान बचाइतै।
नथानेलेके आपन दिसन आबैत देखके येसु कहल्कै, “देख, उ पक्के इजराएली चियै, ओकरमे कोनो छलकपट नै छै।”
ओहिनङ जे आपन जिन्गीके परेम करैछै उ गुमाइछै, महज जे अइ सन्सारमे आपन जिन्गीके अबहेलना करैछै उ ओकरा अनन्त जिबनके लेल जोग्याके राखैछै।
कोइ आपनके धरमी सम्झैछै, महज आपन जिहके लगाम नै लगाइछै त उ आपनेके धोखा दैछै आ ओकर धरम-करम बेरथ हैछै।
अहैलेल तुसब दुस्टतासे, छल-कपटसे, सब डाहसे आ सब निन्दासे दुरे रह।
उ नै त कोनो पाप करल्कै आ नै त ओकर मुहसे छलकपटके बात निकल्लै।
ओकरासबके मुहमे कोनो झुठ बात नै भेटलै, उसब दोस रहित छेलै।