तब येसु उसबके कहल्कै, “कि तुसब पबितर धरमसास्तर नै पढनेचिही? ‘जै पथलके घर बनाइबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेह्या जगके मुल खम्हा बन्लै, यि काम परमेस्वर करने छै आ अपनासबके नजरमे आस्चरजके बात छै।’
सिमियोन ओकरासबके आसिरबाद देल्कै आ ओकर माँ मरियमके कहल्कै, “देख, यि बालक इजराएलमे बहुतोके पतन आ उत्थानके लेल आ बहुत के बिरोधमे बोलैके एकटा चेन्हाके लेल नियुक्त करनेचियै।