Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




तीतस 3:3 - केवट नया कारार

3 कहिनेकी अपनासब भी विश्वासी हुऐसे पहेला मूर्ख रहियै, परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर्ते रहियै आर आदमीसब अपनासिके धोखा देल्कै रहे। अपनासब दासके जुगुर रहियै जे सभे प्रकारके खराब कामसब करैके इच्छासे नियन्त्रित रहै जकरासे अपनासिके आनन्द मिल्ते रहै। अपनासब आपन समयके खराब तरिकासे व्यवहार करैमे आर दोसर आदमीसिसे ईर्ष्या करैमे बितैते रहियै। अपनासब घृणित आदमीसब रहियै; सभेको अपनासिके घृणा कैल्कै आर अपनासब भी ओकरासिके घृणा कैलियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




तीतस 3:3
37 Iomraidhean Croise  

ऊ जबाब देल्कै, ‘हमे नैजैभौं।’ मगर पाछु ओकरा पछतावा भेलै आर ऊ काममे गेलै।


येशू कहैल्कै, “होशियार र, कोय तोरासिके मूर्ख नैबनाबौ। बहुते आदमीसब हमर अधिकार प्रयोग करैले हमर नाम ल्याके ऐतौ। ऊसब कहतौ, ‘हमे ख्रीष्ट छियै’ आर समय नज्दिक ऐल छै, कहिके कहतौ। ओकरसिके कहेल बातके पाछु तुहेंसब नैलाग।


येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे कोय भी पाप कर्ते रहैछै, ऊ पापके वशमे छै।


कहिनेकी तहुँसब भी एकबेर परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर्ते रहैं, मगर आब यहूदी आदमीसिके अनाज्ञाकारितासे तुहेंसब दया पैल्हैं छे।


सेल्याके पापमय इच्छासिके आपन जीवनमे राज्य करैले नैदहैं आर आपन पापमय इच्छासिके मुताबिक काम नैकर।


तुहेंसब पहेला पापके दास रहैं, मगर आब तुहेंसब ऊ शिक्षासिके पालन कैल्हैं छे, जे शिक्षा तोरासिके देल गेलौ रहे। सेल्याके हमे परमेश्वरके धन्यवाद दैछियै।


मगर आब तुहेंसब पापसे मुक्त भ्याके आर परमेश्वरके दास बनिके उटा कामसिके करैछैं, जे पवित्रताके तरफ ल्याजैछै, आर ओकर अन्त कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै।


हमेसब जानैछियै कि आपनसिके पुरना पापी स्वभाव येशू ख्रीष्टसंगे क्रूसमे टाँग्ल गेलै, ताकी आपनसिके शरीरके पापमय स्वभाव नाश हैतै, आर फेर अपनासिके पापके दास बने नैपडै।


कहिनेकी हमरा यी डर छै कि जब हमे तोरसिकेलगत ऐबौ तब हमे तोरासिके ओरं नैपाबियौ जेरं हमे चाहैछियौ आर तहुँसब भी हमरा ओरं नैपाभैं जेरं तुहेंसब चाहैछैं। कहीं एरं नैहै कि हमे तोरसिके बीचमे झगडा, डाहा, क्रोध, स्वार्थ, ईर्ष्या, चुगलखोरी, अहंकार आर बखेडा पाबियौ।


यदि तोरासिके लागैछौ कि ककरो सहायता करैके लिए तुहें बहुते महत्वपूर्ण छैं ते तुहें खाली अपने आपके मूर्ख बनाबैछैं। तुहें एतनें भी महत्वपूर्ण नैछैं।


तुहेंसब कोनो समयमे परमेश्वरसे दूर रहैं आर आपन खराब कामके कारण आपन मनमे परमेश्वरके विरोधी रहैं।


आर तुहेंसब भी ख्रीष्टमे विश्वास करैसे पहेला यी दुष्ट तरिकासे व्यवहार कैल्हैं आर अहिने इच्छा मुताबिक जीवन बितैते रहैं।


मगर दुष्ट आर धोखेबाज आदमीसब आरहौ बेसी दुष्ट कामसब कर्तै। ऊसब आदमीसिके धोखा देतै आर ऊसब खुद भी दोसर आदमीसिसे धोखा पैतै।


एकरासिमेसे कुछु आदमीसब आदमीसिके घरमे जैछै आर मूर्ख जनानीसिके पूर्ण रुपसे काबु करैछै, जकर हृदय ओकरसिके पापके दोषसे लादल हैछै आर सभे प्रकारके इच्छासे चलैल हैछै।


यी झुट्ठा शिक्षकसब परमेश्वरके चिन्हैछियै कहिके कहैछै, मगर ऊसब व्यवहारमे साफसे देखाबैछै कि ऊसब परमेश्वरके नैचिन्हैछै। कहिनेकी परमेश्वर ओरंको आदमीसिके घृणा करैछै आर ऊसब कोनो भी बढियाँ काम करैमे असमर्थ हैछै।


यी अनुग्रहके द्वारा परमेश्वर अपनासिके सिखाबैछै कि ओकरा पसन्द नैहुएवाला व्यवहार करैले बन्द कर, आर संसारके अविश्वासी आदमीसब जे चीजके इच्छा राखैछै ऊसब चीजके ललसा करैले बन्द कर। यी धर्तीमे जिन्दा रहैतक समझदारी आर परमेश्वरके खुश करैके व्यवहार कर, जे बात परमेश्वरके आदर कैल देखाबैछै।


यदि कोय आदमी अपने आपके धर्मी सम्झैछै आर आपन जिभाके खराब बात बोलैसे काबुमे नैराखैछै ते ऊ खुदके धोखा दैछै आर ओकर भक्ति बेकार छै।


परमेश्वरके आज्ञापालन कर जेरंके बढियाँ बच्चा आपन बाबुके आज्ञापालन करैछै। आपन खराब इच्छासिके संतुष्ट बनाबैके लिए आपन जीवन जियैके पुरना तौर-तरिकाके महर वापस नैजो।


इहे ल्याके ऊ विशाल अजगर आर ओकर दूतसिके धर्तीमे फेकि देल गेलै। यी विशाल अजगर उहे छै जे बहुते समय पहेला साँपके रुपमे दिखाई देल्कै रहे, जकरा शैतान या दोष लगाबेवाला भी कहेल जैछै। यी उहे छै जे यी संसारके आदमीसिके धोखा देते ऐलै छे।


बहुते आदमीसब दोसर जंगली जानवरके झुट्ठा चमत्कारसिसे प्रभावित भ्याके धोखा खैल्कै जे उटा पहेलावाला जंगली जानवरके शक्तिसे कैल्कै रहे। दोसर जंगली जानवरके द्वारा आदमीसिके कहेल गेलै कि ऊसब पहेलावाला जंगली जानवरके पूजा करैके लिए एकटा मूर्ति बनाबै, जे हतियारसे घायल भ्यागेलै रहे, मगर फेरसे ठीक भ्यागेलै रहे।


ऊ बडका आवाजमे कहैल्कै, “बेबिलोनके उटा नामी सहर आब हारी गेलै छे। कहिनेकी यी बेबिलोन सहर सभे राज्यसिके जात-जातके आदमीसिके उटा अंगुरके मद्द पियैल्कै छे, जे ओकर मूर्तिसिके पूजा छै। सारा धर्तीके राजा ओकरसंगे ओकर गन्दा कामसिमे सामिल भ्यागेलै छे। ऊ जनानीके महँगा-महँगा चीजसिके इच्छाके कारणसे धर्तीके व्यापारीसब मातबर भ्यागेलै छे। मगर परमेश्वर यी बेशरम वेश्याके मरैले देतै। ऐज हरेक प्रकारके भूतसब ओत्ते रहैके लिए चल जैतै आर यी गन्दा आर घृणित चिडियासिके खोय्ता बनाबैके जगह बनी जैतै।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan