Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




तीतस 2:3 - केवट नया कारार

3 अहिने करिके बुढ जनानीसब सभे बातमे एरं व्यवहार करै जे हरेक बातमे जे ऊ करैछै परमेश्वरके सम्मान दैछै, दोसर आदमीके बारेमे खराब बात नैबोलेवाली, आर बेसी नशा करेवाली नैहै, मगर ऊसब दोसर जनानीसिके बढियाँ जीवन जियैके तरिका सिखाबे पडैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




तीतस 2:3
13 Iomraidhean Croise  

ऊसब सभे किसिमके पापसे भर्ल छै। ऊसब लोभ आर घृणा करैछै, दोसरके डाहा करैछै आर दोसर आदमीसिके हत्या करैछै। ऊसब झर-झगडा करैछै, छल-कपट करैछै आर झुठ बोलैछै, एक दोसरके चुगलखोरी करैछै,


हमे तोरासिके कहैछियौ प्रभुमे ओकरा स्वागत कर, जेरं परमेश्वरके आदमीसिके एक-दोसरके स्वागत करना चाही। ओकरा चाहेवाला कोनो भी सहायता ओकरा दहैं, कहिनेकी ऊ बहुते आदमीके आर हमर भी सहायता कैल्कै छे।


तुहेंसब विश्वासीसब हुऐके कारणसे तोरसिके बीचमे व्यबिचार आर कोनो अशुद्धता या लोभके नाम भी नैलेल जै।


इहे प्रकारसे मण्डलीके सेवकके पतनीसब सभैसे आदर पाबैके योग्यके हुए पडैछै, दोसरके बारेमे खराब बात बोलेवाली नै होना चाही, मगर संयमी आर ऊसब सभे परिस्थितिमे भरोसा करैके योग्यके होना चाही।


अहिने करिके, मण्डलीके सेवकसब आदर पाबैके योग्यके होना चाही। ऊसब इमानदार होना चाही, आर बेसी नशा करेवाला नै होना चाही। ऊसब दोसर आदमीसिके धोखा द्याके रुपिया-पैसा कमाबेवाला नै होना चाही।


पहेलाके जुगुर खाली पानी नैपी, मगर तोर पेटके लिए आर घुरी-घुरी बेमारी हुऐके कारणसे कनेजरा अंगुरके मद्द पी।


कहिनेकी मण्डलीके देख-रेख करेवाला आदमी परमेश्वरके काम करे पडैके कारणसे दोषरहित होना चाही। ऊ आपन चहेल बात पुरा हुऐके चाहना करेवाला या तुरन्ते रिसाबेवाला या मतवाला या झग्डौहा या धन-दौलतके लिए ठगेवाला नै होना चाही।


ताकी ऊसब बढियाँ उदाहरण बनै आर जवान जनानीसिके केरंके आपन पति आर बाल-बच्चाके प्रति प्रेमी व्यवहार करे पडैछै कहिके तालिम दै।


जब कि तुहेंसब बहुते समयसे विश्वास करैछैं आर आब तोरासिके आपन साथीसिके सिखाबेवाला होना चाही, तैय्योपर भी कक्रहौ तोरासिके परमेश्वरके विषयमे सबसे सरल बात सिखाबैके जरुरत छै। एरं लागैछै जेरं तुहेंसब एकटा बच्चा बनी गेल्हैं छे, जकरा एखन भी दूध पियाबैके जरुरत छै, कहिनेकी ऊ ठोस खाना चिबाबे नैसकैछै।


मगर एकटा बात हमे तोरामे गलत पाबैछियौ: रानी इजेबेल, जे बहुते पहेलाके समयमे रहते रहै, ओकर जुगुर एकटा जनानी तोरसिके बीचमे छौ। ऊ खुदके परमेश्वरके वक्ता कहैछै मगर हमर विश्वासीसिके गलत शिक्षा दैछै। ऊ ओकरासिके अनैतिक जीवन जियैके आर मूर्तिसिके चढैल भोजन खैके शिक्षा दैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan