तीतस 1:4 - केवट नया कारार4 तीतस तुहें जे हमर आपने बेटाके जुगुर छैं कहिनेकी तुहें भी ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ। Faic an caibideil |
हमे, सिमोन पत्रुस तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ, हमे येशू ख्रीष्टके सेवक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे तुहेंसब सभैके लिए लिखैछियौ जेसब आपनसिके जुगुर समान बहुमूल्य विश्वास प्राप्त कैल्कै छे, यी विश्वास आपनसिके परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके देल गेलै छे, जे अपनासिके परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित करैछै।
जब आदमीसब येशू ख्रीष्टके आपन प्रभु आर उद्धारकर्ता कहिके स्वीकार करैछै, तब ऊसब संसारके दुष्टतासे भागैछै। मगर आब एकबेर फेर ऊसब खराब काम करैमे लिप्त भ्यागेलै छे आर उटा खराब कामसब ओकरासिके नियन्त्रित करैछै, सेल्याके आब ख्रीष्टके अस्वीकार करि देलके बाद ओकरसिके अन्तिम दशा ओकरसिके विश्वासी बनैसे पहेलाके स्थितिसे भी खराब भ्यागेलै छे।
हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके ऊ उद्धारके विषयमे लिखैके लिए सकभर कोशिश कर्ते रहियै जे येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके तरफसे आबैछै आर जकरामे अपनासब सभेको सहभागी छियै। मगर आब हमे यी चिट्ठीके द्वारा तोरासिके उत्साहित करैके दबाब महसुस करैछियै ताकी तुहेंसब ख्रीष्टियन विश्वासके पक्डीके राखैके लिए आरहौ भी कडा प्रयास कर्भैं। परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी विश्वास एक्केबेर सभे दिनके लिए द्या देल्कै छे, आर एकरा बदल्ल नै ज्या सकैछै।