Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




तीतस 1:3 - केवट नया कारार

3 आर आब सही समयमे, परमेश्वर यी खुश-खबरी प्रकट कैल्कै आर हमेसब सभे आदमीसिके यी बातके प्रचार करैछियै। आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर हमर प्रचारके कामद्वारा यी आज्ञा देते हमरा जिम्मेदारी देल्कै कि हमे ओकर खातिर यी काम करियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




तीतस 1:3
39 Iomraidhean Croise  

ऊ कहैल्कै, “परमेश्वर जेटा समय तय कैल्कै रहे, उटा समय ऐल छै; आर परमेश्वरके राज्य एखन ऐल छै। पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा, आर खुश-खबरीमे विश्वास कर।”


एकर अलावा, दुनियाँके अन्तसे पहेला हमर बारेमे खुश-खबरी जात-जातके आदमीसिके सुनैल जाना चाही।


तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “सारा संसारमे जैके सभे आदमीसिके खुश-खबरी प्रचार कर।


आर हमर आत्मा उद्धारकर्ता परमेश्वरमे आनन्द करैछै।


तुहेंसब ऊ सन्देशके जानैछ जे परमेश्वर हमरासिके यानिकी इस्राएलीसिके भेजल्कै। ऊ शान्तिके बारेमे खुश-खबरी सुनैल्कै जे आदमीसिके येशू ख्रीष्टमे विश्वासके द्वारा मिले सकैछै। ऊ सभे आदमीसिके प्रभु छै।


ऊ एक्केटा आदमीसे सारा धर्तीमे बास करैके लिए जात-जातके आदमीसिके बनैल्कै। ऊ ओकरसिके रहैके समय आर जगह भी निश्चित करिदेल्कै,


पवित्र आत्माद्वारा हमरा देल शक्तिसे हमे अदभुत काम आर चमत्कार करैछियै। सेल्याके जते भी हमे यरूशलेम सहरसे ल्याके इल्लुरिकन प्रदेशतक गेलियै छे, हमे ओत्ते भी सभे आदमीसिके येशू ख्रीष्टके बारेमे खुश-खबरी सुनैलियै छे।


आब ओकरा, जे हमर प्रचार कैल खुश-खबरीके मुताबिक तोरासिके विश्वासमे मजगुत बनाबे सकैछौ, यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयके प्रचारके मुताबिक, उटा रहस्यके प्रकाश बमोजिम, जे युग-युगसे गुप्तमे रहै,


मगर आब यी परमेश्वरके वक्तासिके लिख्ल बातसिके द्वारा प्रकट भेलै छे आर आब कहियो खतम नैहुएवाला परमेश्वरके आज्ञाके मुताबिक सभे जात-जातके आदमीसिके मालुम भेलै छे, ताकी सभे जात-जातके आदमीसब विश्वास करिके परमेश्वरके आज्ञापालन करे सकै।


कहिनेकी जखनी अपनासब कमजोर ही रहियै, तखनिहैं येशू ख्रीष्ट परमेश्वरके नियुक्त कैल समयमे दुष्ट आदमीसिके लिए मर्लै।


यदि हमे यी काम आपन इच्छासे करैछियै ते हमे इनाम पैबै। मगर यदि परमेश्वर हमरा यी जिम्मेदारी सौंपल्कै छे ते, हमे कोनो इनामके आशा नैकरे सकैछियै।


मगर जब परमेश्वरके तय कैल समय ऐलै, परमेश्वर खुद आपन बेटाके यी संसारमे भेजल्कै, आर ऊ एकटा आदमीके रुपमे जनम लेल्कै। ऊ एकटा यहूदी आदमीके रुपमे जनम लेल्कै रहे आर मूसाके विधि-विधानके अनुसरण कर्ते रहै।


परमेश्वरके तय कैल समयमे, ऊ स्वर्ग आर धर्तीमे भेल सभे चीजसिके एक बनैतै आर ख्रीष्टके ओकरासिपर शासन करैके अधिकार देतै।


ख्रीष्ट आबिके तुहें गैर-यहूदी आदमीसब, जे परमेश्वरसे दूर रहैं आर यहूदी आदमीसिके, जे ओकर नज्दिक रहै, दोनोके शान्तिके खुश-खबरी सुनैल्कौ।


एत्तेतक कि रोमी महाराजाके महलके सभे सिपाही आर बाँकी सभे आदमीसिके लगत यी प्रकट भेलै छे कि, हमे ख्रीष्टके सेवा करैके कारणसे जेलमे छियै।


ख्रीष्टमे तोर विश्वास अटल जगमे बनैल घरके जुगुर मजगुत बना। आर तोरसिके सुन्ल खुश-खबरीके आशासे पाछु नैहट्। इहे खुश-खबरीके बारेमे आकाशके निच्चामे भेल सभैके प्रचार कैल गेलै आर हमे, पावल, इहे खुश-खबरी सुनाबेवाला सेवक भेलियै छे।


इहे खुश-खबरी जे तोरसिकेलगत ऐलौ पुरा संसारभर फैलैछै। आदमीसिके जीवन परिवर्तन करिके हरेक जगहमे फल फराबैछै, जेरंके तुहेंसब पहेला बेर सुन्ल आर परमेश्वरके अदभुद अनुग्रहके बारेमे सचके बुझैके समयसे तोरसिके जीवनमे परिवर्तन ऐल छौ।


परमेश्वर हमरासिके योग्य सम्झिके खुश-खबरी सौंपल्कै छे। सेल्याके हमेसब आदमीसिके नै, मगर हमरसिके ह्रदय जाँचेवाला परमेश्वरके खुश करैके लिए उपदेश दैछियै।


हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। हमरसिके आशा राख्ल उद्धारकर्ता परमेश्वर आर येशू ख्रीष्टके अधिकारमे हमे प्रभु येशू ख्रीष्टके कामके लिए ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै।


यी सही शिक्षा आपनसिके अदभुद परमेश्वरके महिमाके विषयमे खुश-खबरीसे सहमत हैछै, जे हमरा प्रचार करैके जिम्मेदारी देल्कै छे।


सभे आदमीसिके लिए एरंके प्रार्थना करना सही छै आर आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर यी बातके स्वीकार करैछै।


यी जीवन पाबैके लिए हमेसब संघर्ष आर कडा मेहनत करैछियै, कहिनेकी अपनासब जिन्दा परमेश्वरमे आशा राखैछियै, जे सभे आदमीसिके विशेष करिके ओकरामे विश्वास करेवाला आदमीसिके उद्धारकर्ता छै।


मगर प्रभु हमरसंगे खडा भेलै आर ऊ हमरा शक्ति देल्कै, आर हमे येशू ख्रीष्टके बारेमे साफसे खुश-खबरी प्रचार कैलियै ताकी अदालतमे भेल सभे गैर-यहूदी आदमीसब सुने सकै, आर भुख्ल शेरसे बचैल जुगुर परमेश्वर हमरा मौतसे बचैल्कै।


दाससब आपन मालिकके चीज चोरी नैकरै, मगर खुदके सभे दिन इमानदार साबित करै। ताकी आदमीसब ओकरसिके बढियाँ व्यवहारपर ध्यान दै आर ऊसब जे करैछै ओकरासे आदमीसिके परमेश्वर, आपनसिके उद्धारकर्ताके विषयमे सन्देश सुनैके लिए इच्छुक बनैतै।


हमेसब एरंके व्यवहार करैछियै जब आपनसिके आशा कैल उटा सुन्दर दिनके लिए हमेसब उम्मीदके साथ इन्तजार करैछियै: उटा दिन जब आपनसिके महान परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट आपन सारा महिमाके साथ धर्तीपर फेर वापस ऐतै।


सेल्याके ऊ आदमी जे बादलमे बैठ्ल रहै, धर्तीपर आपन कचिया ल्याके काटे लाग्लै आर ऊ पुरा धर्तीके फसलके कटनी कैल्कै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan