तीतस 1:2 - केवट नया कारार2 नतिजा स्वरुप, ऊसब परमेश्वरसंगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन जियैके आशा करैछै कहिनेकी कहियो झुठ नैबोलेवाला परमेश्वर यी संसारके सृष्टि करैसे पहेला ही यी प्रतिज्ञा कैल्कै कि ओकर आदमीसब सभे दिन जितै। Faic an caibideil |
जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, तुहेंसब भी परमेश्वरमे भरोसा राखैले आर ओकर आज्ञापालन करैले कहियो भी नैछोडना चाही। कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके पक्डीके राख्, जकर खातिर तोरा बुलाहट भेल रहौ, आर बहुते आदमीसिके समनामे तुहें ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं कहिके साफ कहलहैं रहे।
ऊ अपनासिके बचैल्कै आर अपनासिके एकटा पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे, आर अपनासब बढियाँ काम करैके कारणसे ऊ अपनासिके नैचुनल्कै छे, मगर ओकर आपन योजना आर अनुग्रहके आधारमे छै। यी संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ही परमेश्वर येशू ख्रीष्टके आपनसिके लिए मरैके लिए भेजिके आपन अनुग्रह अपनासिपर देखाबैके योजना बन्या लेल्कै रहे।
आर हमेसब यी भी जानैछियै कि परमेश्वरके बेटा, येशू ख्रीष्ट यी संसारमे ऐलै छे। अपनासब ऊ सच्चा परमेश्वरके चिन्हे सकियै कहिके ऊ अपनासिके समझ देल्कै छे। अपनासब सच्चा परमेश्वरके संगे एक भ्याके रहैछियै कहिनेकी अपनासब ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके संगे एक भ्याके रहैछियै। सच्चा परमेश्वर आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन इहे छै।
ऊ जंगली जानवर जकरा तुहें एखन देख्लहैं, एक समय जिन्दा रहै मगर आब जिन्दा नैछै। ऊ अथाहा कुण्डसे बाहार आबेवाला छै आर परमेश्वर ओकरा पुरा तरहसे नाश करि देतै। धर्तीमे रहेवाला आदमीसब जकरसिके नाम परमेश्वर संसारके सृष्टि करैसे पहेला उटा किताबमे नैलिखल्कै छे जकरामे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबेवाला आदमीसिके नाम लिख्ल छै, ऊसब सभेको आश्चर्यचकित भ्याजैतै जब यी जंगली जानवरके देख्तै। एक समय ऊ जिन्दा रहै, आब ऊ जिन्दा नैछै, मगर ऊ फेर वापस ऐतै।