कि तुहेंसब धरमशास्त्रके यी खण्ड नैपढ्लहैं छे, जे ख्रीष्टके तुलना एकटा महत्वपूर्ण पत्थलसे करैछै? ओत्ते लिख्ल छै, “जे पत्थलके राज मिसतिरीसब फेकि देल्कै, यी उहेटा पत्थल छै जे पुरा घरमे सभैसे महत्वपूर्ण पत्थल बनी गेलै।
परमेश्वर अब्राहमके खतना हुऐसे पहेला ही स्वीकार करि लेल्कै रहे आर ओकरा धर्मी घोषित करिदेल्कै रहे। खतनाके निशान उटा स्वीकृतीके मोहर छै। सेल्याके, अब्राहम ऊ आदमीसिके आत्मिक पिता छै, जेसब विश्वास ते करैछै मगर ओकरसिके खतना नैभेलै छे। ऊसब आपन विश्वासके कारण धर्मी गिन्ल जैछै।
मगर जे आदमी परमेश्वरके समर्थन पाबैके लिए काम नैकरैछै, मगर पापी आदमीसिके धर्मी बनाबेवाला परमेश्वरपर भरोसा राखैछै, ओकरसिके विश्वासके कारणसे ऊ आदमीसब धर्मी घोषित कैल जैछै।
कि यी आशिष खाली यहूदी आदमीसिके लिए छै, या खतना नैकैल आदमीसिके लिए भी छै? हमेसब उहे कहैछियै जे बात धरमशास्त्र कहैछै, “परमेश्वर अब्राहमके धर्मी घोषित कैल्कै।”
आर धरमशास्त्रके यी वचन सच भेलै, “अब्राहम परमेश्वरमे विश्वास कैल्कै, आर ओकर विश्वासके कारण परमेश्वर ओकरा धर्मी घोषित कैल्कै” आर ऊ परमेश्वरके दोस्त कहलैल गेलै।