Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 9:1 - केवट नया कारार

1 तब पाँचवा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर हमे एकटा ताराके आकाशसे धर्तीमे खस्ल देख्लियै। एकरा उटा चाभी देल गेलै, जे उटा अथाहा कुण्डके खोले सकैछै जकर गहराईके कोनो अन्त नैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 9:1
20 Iomraidhean Croise  

येशू चेलासिके कहैल्कै, “हमे देख्लियै कि शैतान हारिके अचानक स्वर्गसे बिजलीके जेरं खस्ते देख्लियै।


ऊ भूतसब हमरासिके अथाहा कुण्डमे नैभेज कहिके येशूसे बिन्ती करे लाग्लै।


या अपने आपसे यी नैक, ‘ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बन्याके उप्पर आनैके लिए के नरक लोकमे जैतै?’ ”


हमे ऊ छियै जे सभे दिन जिन्दा छियै। हमे एकबेर मरि गेलियै रहे, मगर आब हमे जिन्दा छियै आर हमे सभे दिन जिन्दा रहबै। देख, हमरलगत मौत आर पातालपर, मर्ल आदमीसिके जगहपर अधिकार छै।


आब हमे हमर दहिना हातमे भेल सातटा तारासिके मतलब कि छै आर दिया राखेवाला सातटा सोनाके लबनासिके मतलब कि छै से बतैबौ जे बात पहेला मालुम नैरहै। एकर मतलब यी छै: सातटा तारासब सातटा मण्डलीसिके स्वर्गदूतसब छै आर दिया राखेवाला सातटा लबनासब सातटा मण्डलीसब छै।”


जब ऊ दीटा गवाहसब परमेश्वरके सन्देशके प्रचारके काम समाप्त करि लेतै ते, ऊ जंगली जानवर जे अथाहा कुण्डसे बाहार निकल्तै, यी जंगली जानवर ऊ दोनो गवाहके संगे लडाई करिके ओकरासिके हरैतै आर ओकरसिके जान मारि देतै।


ऊ जंगली जानवर जकरा तुहें एखन देख्लहैं, एक समय जिन्दा रहै मगर आब जिन्दा नैछै। ऊ अथाहा कुण्डसे बाहार आबेवाला छै आर परमेश्वर ओकरा पुरा तरहसे नाश करि देतै। धर्तीमे रहेवाला आदमीसब जकरसिके नाम परमेश्वर संसारके सृष्टि करैसे पहेला उटा किताबमे नैलिखल्कै छे जकरामे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबेवाला आदमीसिके नाम लिख्ल छै, ऊसब सभेको आश्चर्यचकित भ्याजैतै जब यी जंगली जानवरके देख्तै। एक समय ऊ जिन्दा रहै, आब ऊ जिन्दा नैछै, मगर ऊ फेर वापस ऐतै।


एकरबाद हमे अथाहा कुण्डके चाभी आर एकटा बडका सिक्कड ओकर हातमे ल्याके एकटा स्वर्गदूतके स्वर्गसे उतरिके निच्चा ऐते देख्लियै।


एकरबाद शैतान पकड्ल जैतै, जे जात-जातके आदमीसिके भर्मैल्कै आर ओकरा गन्धकके आगिनमे फेकि देल जैतै यानिकी उटा आगिनमे जे तालाबके जुगुर बडका छै। जंगली जानवर आर झुट्ठा भविष्यवक्ताके पहेला ही ओत्ते फेकि देल गेलै रहे। आर ओत्ते उटा आगिनमे ओकरासिके सभे दिनके लिए रात-दिन तड्पैल जैतै।


आकाशसे तारासब धर्तीमे एरंके खस्लै जेरं कि अन्जीरके गाछसे कच्चा फल गिरैछै, जब अन्हर ओकरा हिलाबैछै।


तेसर स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर एकटा बडका तारा जे मसालके जुगुर जर्ते रहै, आकाशसे टूट्लै आर नतिजा स्वरुप लद्दीसिके एक तिहाइ भाग आर पानीसिके मोकासिमे खस्लै।


चौथा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर सुरुजके एक तिहाइ भागपर आर चानके एक तिहाइ भागपर आर ताराके एक तिहाइ भागपर प्रहार भेलै आर नतिजा स्वरुप दिनके एक तिहाइ समयतक सुरुज चमक नैदेल्कै, चान आर तारा रातके एक तिहाइ समयतक नैचम्कलै।


आर हमे परमेश्वरके समनामे खडा रहेवाला सातटा स्वर्गदूतसिके देख्लियै। ओकरासिके सातटा धुतहुक देल गेलै।


ऊ अथाहा कुण्ड खोल्लकै, आर उटा कुण्डसे बडका आगिनके भट्टीके जुगुर धुवाँ निकल्लै आर कुण्डके धुवाँसे सुरुज आर वायुमण्डलके झाँपी देल्कै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan