Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 8:7 - केवट नया कारार

7 पहेला स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर तुरन्ते खूनसे मिल्ल बहुते पत्थल आर आगिन धर्तीमे बर्से लाग्लै। नतिजा स्वरुप धर्तीके एक तिहाइ भाग, गाछसिके एक तिहाइ भाग आर सभे हारा घाससब जरि गेलै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 8:7
29 Iomraidhean Croise  

सुरुज उग्लके बाद कडा रौद लागैछै आर घासके सुख्या दैछै आर ओकर फूल झडिजैछै आर ओकर खूबसूरती खतम भ्याजैछै। ओहिने करिके मातबर विश्वासी भी मर्तै जब ऊ आपन काममे व्यस्त रहैछै।


धरमशास्त्र एरं कहैछै, “सभे आदमीसब घासके जुगुर छै आर ओकरसिके सभे सुन्दरता जंगली फूलसिके जुगुर छै। घास सुखी जैतै आर फूल झडी जैतै।


ऊ आपन नाङरसे आकाशसे एक तिहाइ तारासिके समेटीके धर्तीमे फेकि देल्कै आर ऊ विशाल अजगर जनानीके बच्चाके जनम हैते ही बच्चाके खैके लिए ओकर समनामे खडा भेलै।


इहे ल्याके पहेला स्वर्गदूत बाटीमे भेल चीजके धर्तीमे उझली देल्कै। ऊ जंगली जानवर जकरासिपर ऊ आपन छाप लगैल्कै रहे आर ओकरासिपर जेसब ओकर मूर्तिके पूजा कैल्कै रहे, ऊ आदमीसिपर भयानक आर दर्दनाक घा दिखाई देल्कै।


बडका-बडका पत्थलसब आकाशसे आदमीसिपर खस्लै, जकरामे हरेक पत्थलके वजन लगभग ५० किलो रहै। नतिजा स्वरुप, ऊसब परमेश्वरके अपमान कैल्कै कहिनेकी ओकरासिके परमेश्वरके द्वारा भेज्ल गेल बिपत्तिके कारण बहुते पिडा सहे पड्लै।


तब हमे एकटा प्राणघातक हर्दिहा रंगके घोडा देख्लियै, आर घोडाके सवारी करेवालाके मौत कहेल जैछै। आर नरक ओकर पाछु-पाछु बहुते नज्दिक चल ऐते रहै। ओकरासिके धर्तीमे रहेवाला हरेक चार आदमीसिमेसे एकटा आदमीके जान मारैके अधिकार मिल्लै। ऊसब आदमीसिके तलवारसे जान मारल्कै, ऊसब आदमीसिके भूखसे जान मारल्कै, ऊसब आदमीसिके खराब-खराब बेमारीसिसे जान मारल्कै आर ऊसब आदमीसिके जंगली जानवरसिसे भी जान मरवैल्कै।


एकरबाद, हमे चारटा स्वर्गदूतसिके संसारके चारो कोनामे खडा भेल देख्लियै। ऊ स्वर्गदूतसिके संसारके बिपत्तिसिसे हानी पहुँचाबैके परमेश्वरके तरफसे अधिकार मिल्लै रहे, चाहे ऊ समुन्दरमे है या जमिनमे। ऊसब संसारके चारो कोनासिसे हावाके रोकी देल्कै, ताकी समुन्दरमे, जमिनमे आर गाछमे हावा नैचलै। हमे आरहौ एकटा स्वर्गदूतके पुरुब दिशामे प्रकट हैते देख्लियै। ओकरलगत जिन्दा परमेश्वरके एकटा मोहर रहै। ऊ स्वर्गदूत बडका आवाजसे ऊसब चारटा स्वर्गदूतसिके बोलैल्कै आर कहैल्कै,


सेल्याके तब ऊ चारोटा दूतके खोली देल गेलै। ऊसब पहेलासे ही तैय्यार रहै आर ओकरासिके कहेल गेलै रहे कि यीटा समय, यीटा दिन, यीटा महिना आर यीटा सालके लिए इन्तजार करै आर आब यी एखन आबी गेलै रहे। ओकरासिके संसारके एक हिस्सा आदमीसिके जान मारना रहै।


यी तीनटा बिपत्तिसब, जे कि घोडासिके मुखसे निक्लेवाला आगिन, धुवाँ आर गन्धक रहै, सभे मानव जातिसिमेसे एक तिहाइके जान मारल्कै।


जेरंके कक्रहौ बिच्छुके काटैसे दरद हैछै, ओहिने करिके यी फडिंगासिके पाँच महिनातक ऊ आदमीसिके तडपाबैके अनुमति देल गेलै रहे, जकर मथापर परमेश्वरके मोहरके निशान नैरहै। मगर ओकरासिके नैते धर्तीके घासके नैते कोनो गाछ-वृक्षसिके हानी करना रहै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan