5 तब स्वर्गदूत धुपदानी ल्याके एकरा वेदीके उप्परमे बरेवाला आगिनसे भरि देल्कै आर धर्तीमे फेकि देल्कै। तब मेघ-गर्जनके जुगुर गडगडाहटके आवाज निक्ले लाग्लै, बिजली चम्के लाग्लै आर भूकम्प भेलै।
कहिनेकी जात-जातके आदमी एक दोसरपर हमला कर्तै आर एकटा देशके आदमीसब दोसर देशके आदमीसिके खिलाफमे लड्तै। जगह जगहमे भूकम्प जैतै, भुखमरी पड्तै।
“हमे धर्तीके उप्पर आगिन ढारैले ऐलियै छे, ऊ ते बरु पहलहैसे सुन्गी जाना रहै।
कि एतनेंमे अचानक एकटा बडका भूकम्प गेलै, एत्तेतक कि जेलके जग भी हिली गेलै आर तुरन्ते सभे फाटकसब खुल्लै आर सभे कैदीके हथकडी टूटी गेलै।
ओकरसिके प्रार्थना कैल भेलके बाद ऊसब जमा भेल जगहमे कम्प भेलै, आर ऊसब सभे झन पवित्र आत्मासे भरिके आर ऊसब साहासके साथ परमेश्वरके वचन सुनाबे लाग्लै।
उहे समयमे, यरूशलेम सहरमे एकटा बहुते बडका भूकम्प भेलै, आर सहरके इमारतसिके दशमा भाग गिरी गेलै। आर उटा भूकम्पसे सात हजार आदमीसब मर्लै आर बच्ल आदमी जेसब नैमर्लै रहे ऊसब बहुते डरैलै, सेल्याके ऊसब स्वर्गके परमेश्वरके महिमा कैल्कै।
तब परमेश्वरके मन्दिर जे स्वर्गमे छै से खोल्ल गेलै, आर ऊ मन्दिरमे करारके सन्दुक दिखाई देल्कै। बिजली चमके लाग्लै, मेघ-गर्जनके जुगुर गडगडाहटके आवाज निक्ले लाग्लै। भूकम्प भेलै आर आकाशसे बरफके पत्थलसिके साथ भारी बर्षा भेलै।
उटा सिंहासनसे बिजली चमकते रहै आर मेघ-गर्जनके जुगुर गडगडाहटके आवाज निकल्ते रहै आर उटा सिंहासनके समनामे सातटा चिरागसब बर्ते रहै जे परमेश्वरके सात आत्मासिके देखाबैछै।
आर हमे बलि-भेंडाके छठमा मोहर खोल्ते देख्लियै। तब एकटा बहुते बडका भूकम्प भेलै, आर सुरुजके रंग मोटका करिया कम्बलके जुगुर करिया रंगमे बदली गेलै आर पुरे चानके रंग खूनके जुगुर लाल भ्यागेलै।
ओत्तेसे, आरहौ एकटा स्वर्गदूत ऐलै आर धुपके वेदी लगत खडा भेलै। ऊ स्वर्गदूत धुप जराबैके लिए सोनाके धुपदानी ल्याके ऐलै आर ओकरा सभे आदमीसिके प्रार्थनाके सहित जराबैके लिए बहुते धुप देल गेलै। ऊ धुप आर प्रार्थनासिके उटा सोनाके धुपके वेदीके उप्परमे जर्या देल्कै, जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे रहै।