Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




प्रकाश 8:2 - केवट नया कारार

2 आर हमे परमेश्वरके समनामे खडा रहेवाला सातटा स्वर्गदूतसिके देख्लियै। ओकरासिके सातटा धुतहुक देल गेलै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




प्रकाश 8:2
18 Iomraidhean Croise  

“होशियार र! तुहेंसब यी छोटका बच्चासिके जुगुर नम्र बनेवालासिमेसे एक्कोटाके भी तिरस्कार नैकर। कहिनेकी हमे तोरासिके कहैछियौ, ओकरसिके देखभाल करेवाला स्वर्गदूतसब स्वर्गमे रहेवाला हमर परमेश्वर पिताके उपस्थितिमे हरदम छै।


ऊ आपन स्वर्गदूतसिके धुतहुकके बडका आवाजके साथ पठैतै, आर ऊसब ओकरासिके सभे जगहसे जमा कर्तै, धर्ती आर आकाश सभे जगहसे आपन चुन्लसिके जमा कर्तै।”


स्वर्गदूत ओकरा जबाब देल्कै, “हमे गब्रिएल छियै, हमे परमेश्वरके समनामे निरन्तर उपस्थित रहैछियै। उहे ही हमरा तोरासे बात करैले आर यी खुश-खबरीके सुनाबैले भेजल्कै छे।


सेल्याके जे घटनासब हुएवाला छै, यी सभे बातसे बचैके लिए आर हमे, आदमीके बेटाके समनामे न्यायके दिनमे खडा हुऐके शक्ति पाबैके लिए सभे समय सचेत भ्याके प्रार्थना कर्ते र।”


कहिनेकी प्रभु येशू आपनहैं स्वर्गसे निच्चा ऐतै, उटा समयमे प्रभु येशू बडका आवाजसे आदेश देतै, प्रधान स्वर्गदूत बडका आवाजसे बोल्तै आर परमेश्वरके धुतहुक फुक्ल जैतै, आर ख्रीष्टमे मर्ल विश्वासीसब पहेला जिन्दा हैतै।


हमे, यूहन्ना यी चिट्ठी तुहेंसब सातटा मण्डलीसिके विश्वासीसिके लिए लिखैछियै जे एशिया प्रदेशमे छै। हमे प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके परमेश्वर तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ। ऊ उहे परमेश्वर छै जे समयके शुरुआतसे ल्याके एखनतक आर सभे दिनके लिए नैबदलैछै। आर ऊ सात आत्मासिके तरफसे, जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे छै।


जब सतमा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै तब हमे स्वर्गमे बडका आवाजसिके जोर-जोरसे पुकारा कर्ते सुन्लियै, “आपनसिके परमेश्वर आर ओकर चुन्ल ख्रीष्टके पुरा संसारपर शासन करैके अधिकार छै आर परमेश्वर सभे दिनके लिए राज्य कर्तै।”


एकरबाद हमे आकाशमे एकटा आरहौ अदभुद चिन्ह देख्लियै जे बहुते भयानक रहै। ओत्ते सातटा स्वर्गदूतसब रहै जेसब सातटा अलग-अलग किसिमके बिपत्ति लेल रहै। यी बिपत्तिसब अन्तिम छै कहिनेकी जब यी बिपत्तिसब समाप्त भ्याजैछै तब परमेश्वरके क्रोध समाप्त भ्याजैतै।


एकरबाद हमे परमेश्वरके मन्दिरसे एकटा तेज आवाजके सातटा स्वर्गदूतसिसे यी कहते सुन्लियै, “जो संसारके आदमीसिपर परमेश्वरके तरफसे सजायके उझली दहैं जे सातटा बाटीमे छै।”


जब हमे फेर देख्लियै, हमे एकटा गरुडके आकाशमे उप्पर उड्ते देख्लियै आर बडका आवाजमे जोरसे एरं कहते सुन्लियै, “जब अन्तिम तीनटा स्वर्गदूत उटा धुतहुकके फुकैछै जे ओकरासिके देल गेलै छे, तब संसारके सभे आदमीसिपर आबेवाला बिपत्तिसब बहुते ही भयानक छै।”


उटा सातटा धुतहुक हुएवाला सातोटा स्वर्गदूत धुतहुक फुकैले तैय्यारी भेलै।


तब पाँचवा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर हमे एकटा ताराके आकाशसे धर्तीमे खस्ल देख्लियै। एकरा उटा चाभी देल गेलै, जे उटा अथाहा कुण्डके खोले सकैछै जकर गहराईके कोनो अन्त नैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan