12 “हमेसब घोषणा करैछियै कि हमरसिके परमेश्वर महान, शक्तिशाली, प्रतापी आर ज्ञानवान छै। या अपनासब सभे दिनके लिए ओकर प्रशंसा करियै आर ओकरा धन्यवाद दियै। आमेन!”
हमरासिके परीक्षामे पडैले नैद्या, मगर पापमे फसाबेवाला बातसे दूर राख, (कहिनेकी राज्य, पराक्रम, आर महिमा सभे दिन तोरे छौं, आमेन)।
कहिनेकी सभे कुछु परमेश्वरसे आबैछै। ऊ सभे कुछु बनैल्कै छे, आर सभे चीज ओकरे छै। ओकरा सभे दिन महिमा मिल्ना चाही! आमेन!
मान कि कोनो साधारण आदमी तोरसिके संगतिमे छौ, जब तुहें आत्मामे परमेश्वरके प्रशंसा करैछैं। यदि ऊ आदमी तोर बातसिके बुझे नैसकैछै ते, तुहें परमेश्वरके धन्यवाद देलके बाद, ओकरा केरंके मालुम हैतै कि कखनी “आमेन” कहबै जे विषयके लिए तुहें प्रार्थना कैल्हैं छे।
उटा सभे कष्ट जे हमेसब सहैलियै ऊ तोरसिके हितमे भेल छौ, ताकी बहुतेसे बहुते आदमीसिके पता चलि जैतै कि परमेश्वर कतनें अनुग्रही छै आर परमेश्वरके महिमाके लिए बहुते आदमीसब धन्यवाद देतै।
जेरंके गहिर जड गाछके थामैछै आर जग घरके मजगुत राखैछै, ओहिने करिके तुहेंसब भी आपन विश्वासमे मजगुत हु आर तोरासिके सिखैल मुताबिक आपन विश्वासमे निरन्तर बढ्ते जो। आर परमेश्वरप्रति बहुते धन्यवादी हु।
तुहेंसब जे भी बोलैछैं या करैछैं, सभे चीज प्रभु येशूके द्वारा परमेश्वर पिताके धन्यवाद देते कर।
हमे ऊ छियै जे सभे दिन जिन्दा छियै। हमे एकबेर मरि गेलियै रहे, मगर आब हमे जिन्दा छियै आर हमे सभे दिन जिन्दा रहबै। देख, हमरलगत मौत आर पातालपर, मर्ल आदमीसिके जगहपर अधिकार छै।
तब ऊ चौबीसो धरमगुरुसब आर चारो जिन्दा प्राणीसब सिंहासनमे विराजमान भेल परमेश्वरके झुकिके आराधना कैल्कै आर एरं कहिके ओकर जय-जयकार कैल्कै, “आमेन, परमेश्वरके स्तुति है।”